केन्द्रीय मंत्री गिरिराज सिंह मंगलदिन स्पष्ट कहलनि जे जल्दीसँ बांग्लादेशी लोकक पहिचान कs देशसँ शीघ्र निष्कासन करबाक काज होयबाक चाही।
बेगूसरायक सांसद आ भारतीय जनता पार्टी (भाजपा)क वरिष्ठ नेता गिरिराज सिंह एतय संवाददाता सभसँ कहलनि, “हम कहैत छी जे बांग्लादेशी लोकक पहिचान आ निष्कासनक काज जल्दीसँ जल्दी होयबाक चाही। किएकि, आइ ओ सभ अराजकताक माहौल बना रहल अछि, सद्भावनाक दुश्मन बनि गेल अछि। ई सभ अराजकता फैला रहल अछि। ओ सभ सद्भावनाकेँ भंग कऽ रहल अछि आ ‘गजवा-ए-हिन्द’क आवाज उठा रहल अछि।
ओ कहलनि, उत्तर प्रदेशक मुख्यमंत्री योगी आदित्यनाथ आ असमक मुख्यमंत्री हिमंत बिस्वा सरमा जकाँ जँ महाराष्ट्र सरकार सेहो वैऽह बात कहलक त ई गलत नहि अछि। सरकारकेँ इ करएकेर चाही।
एकटा प्रश्नक उत्तरमे ओ राजद प्रमुख लालू यादवकेँ कथित तुष्टीकरणक टोपी पहिरने धर्मनिरपेक्ष नेता बतौलनि। ओ कहलनि, “जखनि हम ‘हिन्दू स्वाभिमान यात्रा’ निकाललहुं तखनि तेजस्वी यादवक पेटमे दर्द होबए लागल। आइ पूर्वांचलक हिंदू खतरामे अछि, पूर्वांचलक हिन्दू दहशतमे अछि। एहिसँ सीख लेबाक चाही। बिहारक १७ टा जिला अछि जाहिमे हिन्दूकेँ सबक सीखबाक चाही।
केंद्रीय मंत्री गिरिराज सिंह कहलनि जे बाबासाहेब भीमराव अम्बेडकरक संग जिनगी भरि जँ कियो पाप कयलक अछि तँ ओ कांग्रेस आ नेहरू खानदान अछि। राहुल गांधी, सोनिया गांधी सबकेँ बाबा साहेबसँ नहि बल्कि देशसँ माफी मांगबाक चाही। ओ आगू कहलनि जे बाबासाहेबकेँ जँ कियो प्रताड़ित कयलक तँ ई नेहरू परिवार छल।