मरौना ब्लॉकक अन्तर्गत गनौरा पंचायतक मुखिया जितेन्द्र कुमार सहित सभ १४ वार्ड सदस्य मंगलदिन सामूहिक रूपसँ पंचायती राज पदाधिकारी आ बीडीओकेँ अपन इस्तीफा सौंपि देलनि। त्यागपत्रमे जनप्रतिनिधि लोकनि कहलनि जे पंचायत स्तरक काजमे पंचायत स्तरक कार्यकर्ताक जरूरी सहयोग उपलब्ध नहि अछि। जाहि कारणेँ पंचायत स्तरक काज पूरा नहि होइत अछि आ जनता बहुत आक्रोशित भऽ जाइत अछि। एहि लेल ओ अपन-अपन पदसँ इस्तीफा दऽ रहल छथि।
इस्तीफा सौंपयवलामे गनौरा पंचायतक मुखिया जितेंद्र कुमार, उपमुखिया बेचनी देवी, वार्ड सदस्य माला देवी, पूनम देवी, शोभा देवी, सुचिता देवी, रामप्रवेश महतो, पिंकी देवी, अभय कुमार यादव, वीणा देवी, मदन कुमार मंडल, सुरेंद्र सदा, विकास, आनंद, विनोदकुमार यादव आ ललिता देवी शामिल छथि।
मुखिया कहलनि जे विभिन्न विकासात्मक काज पूरा करबाक बदला पंचायतक तकनीकी सहायक, पंचायत सचिव आ कनीय अभियंता द्वारा घूसक माँग कयल जाइत अछि। पंचायतमे विकास कार्य बाधित अछि। विभिन्न योजनाक संग-संग जनताक समस्या सेहो लम्बित अछि। पंचायतक सभ वार्ड सदस्य आ उपप्रमुखक संग ओ स्वयं जिला पंचायती राज अधिकारी आ मरौना बीडीओकेँ अपन त्यागपत्र सौंपि देलनि अछि। एहि मामिलामे मरौना बीडीओ रचना भारतीय कहलखिन जे ई जानकारी गनौरा पंचायतक मुखिया देलखिन। ओ व्हाट्सएप पर इस्तीफा पत्र पठौलनि अछि। पंचायतमे किछु मुद्दा पर जनप्रतिनिधिक संग बातचीत भऽ रहल अछि। समस्या जल्दीए हल भए जाएत।