बिहारमे राजनीति गरमायल अछि। राजद सरकार पर चोट पर चोट कऽ रहल अछि। मुदा एही बिच एकटा पैघ समाचार सामने आयल जे राजदक अनुकूल नहिं अछि। पूर्व मंत्री आ राजदक वरिष्ठ नेता श्याम रजक पार्टीक महासचिव पदसँ इस्तीफा दऽ देलनि। ओ अपन त्यागपत्र राजद प्रमुख लालू प्रसाद यादवकेँ पठौलनि अछि। एहि पत्रमे श्याम रजक अपन दर्द सेहो व्यक्त कयने छथि आ पार्टी छोड़बाक कारण सेहो बतओने छथि।
श्याम रजक सोशल मीडिया प्लेटफॉर्मक माध्यमसँ अपन त्यागपत्रक जानकारी देलनि। ओ एक्स पर लिखलनि, “आइ राष्ट्रीय जनता दलक राष्ट्रीय महासचिव एवं दलक प्राथमिक सदस्यतासँ इस्तीफा।” संगहि ओ अपन एक्स परक एहि पोस्टमे लालू प्रसाद यादव, तेजस्वी यादव, मीसा भारती, राबड़ी देवी आ जंगदानंद सिंहकेँ सेहो टैग कयलथि।
राजद प्रमुख लालू प्रसाद यादवकेँ लिखल चिट्ठीमे श्याम रजक कहलनि, “हम राष्ट्रीय जनता दलक राष्ट्रीय महासचिव एवं दलक प्राथमिक सदस्यतासँ त्यागपत्र दऽ रहल छी। हमरा शतरंजक शौक नहिं छल, तेँ हम ठगा गेलहुँ। अहाँ मोहरा चलैत रहलहुँ आ हम रिश्तेदारी निभाबैत रहलहुँ।”
एहिसँ पहिने श्याम रजक नीतीश कुमारक पार्टी जनता दल यूनाइटेड (जेडीयू) छोड़ि राजदमे शामिल भेल छलथि। मंत्री पद छोड़ि जेडीयूसँ इस्तीफा देनिहार श्याम रजक राजदमे शामिल भेल छलथि। हुनका आशा छल जे २०२० केर विधानसभा चुनावमे राजद फुलवारीशरीफसँ टिकट देत, मुदा से नहिं देलक। पुनः २०२० केर चुनाव परिणामक बाद श्याम रजककेँ आशा छल जे हुनका विधान परिषदक सदस्य बनाओल जायत। हुनकर सेहो आशा टूटि गेल। राजद मुन्नी रजककेँ विधान परिषदक सदस्य बनौलक।
खबरिक अनुसार श्याम रजक एक बेर फेर जेडीयूमे शामिल भऽ सकैत छथि। मुदा, एखन धरि एकर कोनो आधिकारिक पुष्टि नहिं भेल अछि।