मिथिलाक्षर साक्षरता अभियान

पाक्षिक समारोहक केन्द्रमे लगातार छथि चर्चित कलाकार दिलीप मंडल कतरसँ

एग्यारहम दिन दुर्गेश मैथिलक अंदाज सेहो रहल चर्चामे
*
मधुबनी समदिया
*

मिथिलाक्षर साक्षरता अभियानक ग्यारहम स्थापना दिवस पाक्षिक समारोहक केन्द्रमे लगातार कतरसँ दिलीप मंडल छाओल छथि। अपन सुमधुर कंठसँ विभिन्न विधाक मैथिली गीतसँ सतत श्रोतागणकेँ उल्लासित एवं भावविभोर कयने रहैत छथि दीलीप मंडल।

ग्यारहम दिन यानि ५ अक्टूबरक रातुक कार्यक्रम उत्तरोत्तर आकर्षक रहल। कार्यक्रमक शुरूआत अंजू झा गोसाउनिक गीत ‘जय जय भैरवसॅं’ कयलैन। प्रेमलता झा, शितांजली, राधा कुमारी, स्वीटी कुमारी, कृष्ण कुमार, सुधीर यादव, इंद्रदेव चौधरी आदि अभियानी भगवती गीत, भोला बाबाक नचारी आदि भक्ति गीतसँ भक्तिरसमे सभकेँ सराबोर कयने रहलथि।दयाराम प्रसाद अपने अंदाजमे अपन स्वरचित कविता पाठ कयलनि। मुम्बईसॅं अभिवावक तुल्य अभियानी राज कुमार झा जुड़लैथ, हुनकर व्यक्तव्य अभीयानी लोकनिमे नव उर्जा प्रदान कयलक।

अतिथि कलाकारमे दुर्गेश मैथिल सेहो जुड़लथि आ दिलीप मंडल धानुक अपन चिर परिचित चर्चित आवाजमे श्रोतागणक फरमाईस पुरा करैत रहलथि। दूनू गोटें अपन गायनसॅं सभ श्रोताकें मंत्रमुग्ध कयलैनि। दुर्गेश मैथिल करुणा भरल भगवती गीतक प्रस्तुति सभकेँ भाव विह्वल कयने रहल। संगहि दिलीप कुमार मंडल अपनहि अंदाजमे भगवतीक गीत, गजल, लोकगीत आदि सभ तरहक प्रस्तुती देलनि।

बीचमे मिथिलाक्षर साक्षरता अभियानक संस्थापक अजय नाथ झा शास्त्री सेहो एकटा भगवती गीत ‘जगदंबा केर महिमा अपरम्पार छै गे बहिना’ गओलनि।

वरिष्ठ संरक्षक शंभु नाथ झा एहि प्रोग्राममे नव-नव कलाकारकेँ जोड़यमे अपन सराहनीय योगदान दऽ रहल छथि।

कार्यक्रमक संचालक देवेन्द्र झा कहलनि प्रोग्राम एतेक सुंदर आ भव्य बनल रहल जाहिमे समयक कमी खलैत अछि। बहुतों सहभागिताकेँ समय नहिं दs सकलहुं। एहि कार्यक्रमक सफलताक चर्चा सोशल मीडिया पर जोड़ पकड़ने अछि।

सब दिनक भांति वरिष्ठ संरिक्षका रूणू झा आ संरक्षक नवीन झा प्रोग्रामक व्यवस्थामे अपन सराहनीय योगदान देलैन।

टेक्निकल विभाग दीपक आनंद मल्लिक आ संजय मिश्रा सँभारने रहलथि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *