राजनीति

राहुल आ प्रियंकाक संभल जयबाक रोक पर कांग्रेसक प्रश्न – की नुकयबाक भऽ रहल प्रयास ?

नई दिल्ली
*

लोकसभामे प्रतिपक्षक नेता राहुल गाँधीक नेतृत्वमे कांग्रेसक एकटा प्रतिनिधिमण्डल बुधदिनसँ हिंसाग्रस्त सम्भलक दौरा करबा पर अड़ल अछि। मुदा, पुलिस आ प्रशासन हुनका सभकेँ जिला पहुँचबासँ पहिने रोकि देलक अछि। सम्भलमे बाहरी लोकक प्रवेशपर रोक सहित निषेधात्मक आदेश लागू अछि। सीमा पर भारी अराजकता देखल गेल, किएक तँ पुलिस राजमार्ग अवरुद्ध कऽ देलक, जाहिसँ भारी यातायात जाम भऽ गेल। सड़कपर बैरिकेड लगा देल गेल, जाहिसँ यातायात ठप भऽ गेल आ कांग्रेसक कार्यकर्ता नारेबाजीक बीच बैरिकेड पर चढ़बाक प्रयास करैत देखल गेलैथ।

प्रियंका गांधी कहलनि, “राहुल गांधी विपक्षक नेता छथि आ ई हुनकर संवैधानिक अधिकार अछि। हुनका सभकेँ संभल जाए केर अनुमति देल जयबाक चाही।” कांग्रेस नेता सुप्रिया श्रीनेत कहलनि जे, “नेता प्रतिपक्ष राहुल गांधी, सांसद प्रियंका गांधी वाड्रा आ पार्टीक अन्य नेता सम्भल जाय चाहैत छलैथ। राहुल गाँधी सेहो प्रशासनक गाड़ीमे असगर सम्भल जयबाक लेल तैयार छलाह। ओ डीजीपीसँ सेहो बात कयलनि मुदा पुलिस आ प्रशासन एखनो हुनका रोकि रहल अछि। ई हमरा सभक मनमे प्रश्न उठबैत अछि जे ओ की नुकाबय केर कोशिश कऽ रहल छथि ? हमरा नहि लगैत अछि जे ओ सम्भलमे किछु गलत करय जा रहल छथि। ओ बस पीड़ित परिवारसँ भेंट करय चाहैत छी। डीजीपीसँ गप्प कएलाक बादो जँ कोनो समाधान नहि निकलैत अछि तखनि यूपी प्रशासन आ पुलिस पर कतेको सवाल उठैत अछि।”

सम्भलक जिलाधिकारी राजेन्द्र पेंसिया मंगल दिन गौतमबुद्ध नगर आ गाजियाबादक पुलिस आयुक्त आ अमरोहा आ बुलंदशहर जिलाक पुलिस अधीक्षककेँ पत्र लिखि सम्भलक साम्प्रदायिक संवेदनशीलताकेँ ध्यानमे राखि गाँधीकेँ अपन जिलाक सीमापर रोकबाक आग्रह कयलनि। सम्भलक डीएम गौतम बुद्ध नगर आ गाजियाबादक पुलिस आयुक्तक सङ्ग-सङ्ग अमरोहा आ बुलंदशहरक पुलिस अधीक्षक (एसपी) केँ पत्र लिखलनि।

सपा सांसद रामगोपाल यादव कहलनि जे हमर पार्टी पहिनेसँ ओतय जा रहल छल आ हुनका सेहो अनुमति नहि देल गेल छल। ओ (राहुल गांधी आ अन्य कांग्रेसी नेता) एखनि जा रहल छथि। सपा सांसद डिंपल यादव कहलनि जे सरकार आ प्रशासन एकरा झाँपबाक प्रयास कऽ रहल अछि। ओ नहि चाहैत छथि जे स्थिति सामान्य होय। ओ जनैत छथि जे जँ प्रतिनिधिमण्डल ओतय जा कऽ लोकसँ भेंट करत, तखनि वास्तविकता सामने आबि जायत। हुनका रोकलाक बाद कांग्रेस महासचिव केसी वेणुगोपाल ट्वीट कयलनि, “हम अपन देशमे शान्ति आ साम्प्रदायिक सद्भावक हितमे शोक संतप्त परिवारसँ भेंट करबाक लेल प्रतिबद्ध छी, उत्तर प्रदेश सरकारकेँ प्रतिनिधिमण्डलकेँ सम्भल जयबाक अनुमति देबाक चाही।”

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *