बिहारमे भीषण गर्मी आ भीषण लूक चपेटमे आबि आपदाक स्थिति उत्पन्न भऽ रहल अछि। बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार मुख्य सचिव ब्रजेश मेहरोत्राकेँ निर्देश देलनि अछि जे बुधदिन राज्यक विभिन्न जिलामे ५०सँ बेसी बच्चा बीमार पड़ि गेल छल, फलतः स्कूल बन्द कऽ देल जाय। मुख्यमंत्री मुख्य सचिव के निर्देश देलनि अछि जे वर्तमान स्थिति केर देखैत आवश्यकताक अनुसार स्कूल बंद करय केर संबंधमे उचित कारवाई सुनिश्चित कयल जाए। एहिसँ स्कूली बच्चाक स्वास्थ्य प्रभावित नहिं होयबाक चाही। मुख्यमंत्री मुख्य सचिवकेँ वर्तमान संदर्भमे अन्य आवश्यक कारवाई सुनिश्चित करय लेल क्राइसिस मैनेजमेंट ग्रुपक बैठक बुलाबय केर निर्देश सेहो देलनि अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमारसँ पहिने राज्यपाल राजेन्द्र विश्वनाथ आर्लेकर सभ जिलाधिकारीसँ भीषण गरमीक कारण भेल हादसाक विषयमे बात कयलनि, जिनकर जिलामे गर्मीक समस्याक कारण बच्चा बीमार भऽ रहल अछि। एकर बाद ओ एहि मामिलामे राज्यक मुख्य सचिवसँ सेहो बात कयलनि आ सभ स्कूलमे छुट्टी घोषित करबाक लेल कहलनि। एहिसँ पहिने राज्यपाल सचिवालय राज्यक मुख्य सचिवकेँ पत्र लिखि भीषण गरमीकेँ देखैत स्कूलसभमे छुट्टी घोषित करबाक अनुरोध कयने छलथि। एहिसँ पहिने शिक्षा विभागक माध्यमिक शिक्षा निदेशक कन्हैया प्रसाद श्रीवास्तव द्वारा जारी आदेशमे कहल गेल अछि जे प्राथमिक आ माध्यमिक विद्यालयमे कक्षा भोर ६ बजे सँ १० बजे धरि आयोजित कयल जायत। यद्यपि, मिशन कुशल आ विशेष कक्षाक आयोजन पहिने जकाँ होइत रहत। भोर १० बजेक बाद मध्यान्ह भोजन लेलाक बाद ओ बच्चा सभ अपन घर चलि जायत। जानकारीक अनुसार गर्मीक छुट्टीक बाद राज्यक सभ सरकारी स्कूलमे स्कूल संचालनक समय भोर ६ बजे सँ दुपहरिया १२ बजे धरि तय कयल गेल छल। शिक्षा विभागक आदेशक अनुसार मात्र कक्षा १ सँ ८क बच्चासभकेँ राहत देल गेल। कक्षा ९ सँ १२ धरि पहिलुक कार्यक्रमक अनुसार आयोजित कयल जायत। माध्यमिक शिक्षा निदेशकक पत्रमे शिक्षकक आगमन-प्रस्थानक अलगसँ कोनो सन्दर्भ नहिं अछि। आधिकारिक पत्रमे ई स्पष्ट कयल गेल अछि जे आदेशक बाद १५ मईकेँ जारी आदेशक शेष भाग यथावत रहत।