राज्यसभाक सदस्य जगदीप धनखड़क खिलाफ आनल गेल अविश्वास प्रस्ताव पर मल्लिकार्जुन खड़गे कहलनि कि, राज्यसभाक सभापतिकेँ निष्पक्ष रहबाक चाही। सभापति राजनीतिसँ परे होइत छथि। ओ पक्षपातपूर्ण व्यवहार कयलनि अछि। खड़गे आगू कहलनि जे आइ सदनमे चर्चा कम आ राजनीति बेसी भऽ रहल अछि। हुनकर आचरणसँ देशक गरिमाकेँ नुकसान पहुँचल अछि।
कांग्रेस अध्यक्ष बुधदिन कहलनि जे साल १९५२ सँ एखनि धरि अनुच्छेद ६७ केर तहत कोनो प्रस्ताव नहि आनल गेल अछि किएक तँ उपराष्ट्रपति कहियो राजनीतिमे शामिल नहि देखल गेलाह। ओ कहलनि जे राज्यसभामे नियमसँ बेसी राजनीतिकेँ प्राथमिकता देल गेल छल। सभापति हमरा संग पक्षपातपूर्ण व्यवहार कयलनि अछि।
उपराष्ट्रपति धनखड़ पर पैघ हमला करैत कांग्रेस प्रमुख खड़गे कहलनि जे राज्यसभामे व्यवधानक सबसँ पैघ कारण स्वयं सभापति छथि, ओ सरकारक प्रवक्ताक रूपमे काज कऽ रहल छथि।