अपराध

पाकिस्तानक क्वेटा रेलवे स्टेशन विस्फोटमे मृतकक संख्या बढ़ि भेल २६

नई दिल्ली
*

पाकिस्तानक बलूचिस्तान प्रान्तक एकटा रेलवे स्टेशनपर शनिदिन भेल आत्मघाती विस्फोटमे मृतकक संख्या बढ़िकेँ २६ भऽ गेल अछि।
पाकिस्तानी मीडिया रिपोर्टक अनुसार, प्रांतीय स्वास्थ्य विभागक प्रवक्ता वसीम बेग कहलनि जे विस्फोटमे दूटा लोकक मृत्युक बाद मृतकक संख्या २६ भऽ गेल, जखनि कि ६२ गोटे घायल भऽ गेलाह।

क्वेटा डिवीजन कमिश्नर हमजा शफकत कहलनि जे ई विस्फोट मुख्य रूपसँ कानून प्रवर्तन एजेंसीसभ पर “आत्मघाती हमला” छल जखन कि नागरिकसभकेँ सेहो निशाना बनाओल गेल।

शफकत कहलनि जे एहि क्षेत्रमे लोककेँ एकत्रित होयबा पर रोक लगा देल गेल अछि, जखन कि बस अड्डाकेँ हाई अलर्ट पर राखल गेल अछि। ओ कहलनि जे रेलवेसँ स्टेशन बंद करबाक आ रेल सेवा स्थगित करबाक अनुरोध कयल गेल अछि।

प्रधानमन्त्री शहबाज शरीफ विस्फोटक कड़ा निन्दा कयलनि आ मृत आ घायलसभक शीघ्र स्वास्थ्यलाभक कामना कयलनि। प्रधानमंत्री एहि घटनाक बलूचिस्तान सरकारसँ जाँच रिपोर्ट सेहो मँगलनि अछि।

प्रधानमन्त्री शहबाज कहलनि, “जे आतंकवादी निर्दोष लोकक जीवन आ सम्पत्तिकेँ क्षति पहुँचेलक अछि, तकरा सभकेँ भारी मोल चुकयय पड़त।”

कार्यवाहक राष्ट्रपति यूसुफ रजा गिलानी सेहो एहि घटनाक निन्दा कयलनि। ओ कहलनि “आतंकवादी मानवताक दुश्मन होइत अछि जे निर्दोष लोककेँ निशाना बनबैत अछि।”
प्रतिबंधित उग्रवादी समूह बलूचिस्तान लिबरेशन आर्मी (बीएलए) एहि विस्फोटक जिम्मेदारी लेलक अछि।

ई घटना बलूचिस्तानक मस्तुंग जिलामे एकटा बालिका विद्यालय आ अस्पताल लगक बम विस्फोटक एक सप्ताह बाद भेल अछि जाहिमे पाँच बच्चा सहित आठ गोटेक मृत्यु भऽ गेल छल। पाकिस्तान, विशेष रूपसँ बलूचिस्तान आ खैबर पख्तूनख्वा प्रांतमे पछिला एक सालमे आतंकवादसँ सम्बन्धित घटनामे तेजीसँ वृद्धि देखल गेल अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *