सुरक्षा

दरभंगासँ मुम्बई जा रहल हवाई जहाजमे भेटल संदिग्ध समान, हवाई अड्डा पर मचल हड़कंप

दरभंगा समदिया
*

दरभंगा हवाई अड्डा पर तखनि हड़कंप मचि गेल जखनि दरभंगासँ मुम्बई जा रहल स्पाइसजेटक फ्लाइट एसजी ११६ केँ बमसँ उड़ाबय केर धमकी भेटल। जहिना धमकी भेटल, जिला प्रशासन, सीआईएसएफ आ कतेको सुरक्षा एजेंसीक टीम तत्काल हवाई अड्डा पर जाँच शुरू कऽ देलक। अधिकारी लोकनि कहलनि जे हवाई जहाजमे संदिग्ध सामान होयबाक सूचना भेटलाक बाद सुरक्षा व्यवस्था कड़ा कऽ देल गेल अछि। सदर एसडीओ विकास कुमार पुष्टि कयलनि जे धमकीक बाद सुरक्षा एजेंसीकेँ सतर्क कऽ देल गेल छल। सदर डीएसपी अमित कुमार आ कतेको थानाक पुलिस घटनास्थल पर तैनात कयल गेल छल।

विमानमे सवार सभटा यात्रीकेँ सुरक्षित उतारि देल गेल आ हवाई अड्डापर जाँच अभियान तेज कऽ देल गेल। जाँचक क्रममे कोनो अप्रिय घटनासँ बचबाक लेल दूटा विमानकेँ सेहो अस्थायी रूपसँ हवाई अड्डा पर रोकल गेल छल। कहल जाइत अछि जे धमकीक सङ्ग संदिग्ध वस्तु भेटबाक खबरि सुरक्षा एजेंसीकेँ सतर्क कऽ देलक। हवाई अड्डा पर प्रत्येक यात्री आ ओकर सामानक नीक जकाँ जाँच कयल जा रहल अछि। ई घटना यात्रीसभमे भय आ चिन्ता सेहो उत्पन्न कऽ देलक। किछु दिन पहिने मुम्बईसँ दरभंगा जा रहल एकटा उड़ानकेँ सेहो एहने धमकी भेटल छल। मुदा, ओहि समय विमानक जाँचक बाद कोनो संदिग्ध वस्तु नहि भेटल। मुदा हालक धमकीक बाद प्रशासन सुरक्षा व्यवस्थाकेँ आओर सख्त कऽ देलक अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *