दिल्ली विधानसभा चुनावसँ पहिने आम आदमी पार्टीक राष्ट्रीय संयोजक अरविन्द केजरीवाल दलित समुदायसँ सोझे जुड़बाक प्रयासमे एकटा आओर पैघ घोषणा कयलनि अछि। शनिदिन ओ ‘डॉ. अम्बेडकर छात्रवृत्ति’ योजनाक घोषणा कयलनि।
‘आप’क संयोजक कहलनि जे आब दिल्लीक दलित समुदायक बच्चा दुनियाक कोनो विश्वविद्यालयमे पढ़ि सकैत अछि। आर्थिक तंगीक कारण ओ सब उच्च शिक्षासँ वंचित नहि रहत। एकरा लेल ओहि बच्चासभकेँ मात्र ओहि विश्वविद्यालयमे प्रवेश लेबय पड़त, आ तकर बाद दिल्ली सरकार हुनकर यात्रा आ अध्ययनक खर्च वहन करत।
अरविन्द केजरीवाल एकटा पैघ जनसभाक दौरान ई घोषणा कयलनि। ओ कहलनि, “आइ हम चाहैत छी जे दलित समुदायक कोनो बच्चा पैसाक अभावमे उच्च शिक्षासँ वंचित नहि रहय। तेँ आइ हम डॉ. अम्बेडकर छात्रवृत्तिक घोषणा करैत छी।
दिल्लीक पूर्व मुख्यमंत्री कहलनि जे बाबासाहेब जाहि तरहें गरीबीसँ निकललाह आ विदेशक दूटा अलग-अलग विश्वविद्यालयसँ डिग्री प्राप्त कयलनि ओ अपना आपमे एकटा महत्वपूर्ण उपलब्धि अछि। ओ स्पष्ट कयलनि जे सरकारी कर्मचारीक बच्चासभकेँ सेहो एकर पूरा लाभ भेटत आ ओ बच्चा विदेशक कोनो विश्वविद्यालयमे पढ़ि सकैत अछि।