देश-दुनिया

बांग्लादेशमे तख्तापलट, शेख हसीनाक प्रधानमंत्री पदसँ इस्तीफा, सेना प्रमुखक अनुसार अंतरिम सरकार प्रभावी

नई दिल्ली
*

बांग्लादेशक प्रधानमन्त्री शेख हसीना आइ अचानक ढाका छोड़ि देलनि, जाहिसँ पूरा देशमे राजनीतिक उथल-पुथल मचि गेल। शेख हसीना प्रधानमंत्री पदसँ इस्तीफा दऽ देलखिन। हजारो प्रदर्शनकारी पीएम हाउसमे घुसि सरकारक विरुद्ध नाराबाजी शुरू कऽ देलनि। बंगलादेशक सेना प्रमुख कहलनि, “प्रधानमंत्री शेख हसीना इस्तीफा दए देलखिन। देशक संचालन अंतरिम सरकार द्वारा कयल जायत। हम देशमे शांति बहाल करब। हम नागरिकसँ हिंसा बंद करए लेल कहैत छी। पछिला किछु सप्ताहमे भेल सभटा हत्याक हम जाँच करब।

बांग्लादेशक अभूतपूर्व हिंसामे मृतकक संख्या १०१ भऽ गेल अछि। आरक्षण सुधारक माँगसँ शुरू भेल आन्दोलन सरकार परिवर्तनक आन्दोलनमे बदलि गेल अछि।

प्रदर्शनकारी आइ भोरे प्रधानमंत्री भवनमे घुसि गेल आ तोड़फोड़ कयलक आ हसीनाक इस्तीफाक माँग कयलक। प्रदर्शनकारी सभ सड़क पर उतरि गेल छलथि आ अपन माँगकेँ लऽ कऽ हिंसक प्रदर्शन शुरू कऽ देने छलथि।

स्थितिकेँ देखैत सुरक्षा बल प्रदर्शनकारीसभकेँ नियंत्रित करबाक लेल कठोर कारवाई शुरू कऽ देलक अछि।
सरकारक इस्तीफाक माँग करैत प्रदर्शनकारी आ सरकार समर्थक लोक सभक बीच भयंकर झड़प भेल। प्रदर्शनकारी सभ प्रधानमन्त्री शेख हसीनाक वार्ताक आमंत्रणकेँ सेहो अस्वीकार कऽ देने छलथि।
एम्हर प्रधानमंत्री शेख हसीना कहलनि अछि जे विरोध प्रदर्शनक नाम पर बांग्लादेशमे तोड़फोड़ करयवला छात्र नहिं बल्कि आतंकवादी छथि आ जनतासँ कहलनि जे एहेन लोकसँ सख्तीसँ निपटल जाय।

भारत-बांग्लादेश सीमा पर ‘हाई अलर्ट’

एम्हर बीएसएफक महानिदेशक (कार्यवाहक) दलजीत सिंह चौधरी आ वरिष्ठ अधिकारी भारत-बांग्लादेश सीमापर सुरक्षाक समीक्षा करबाक लेल कोलकाता पहुँचल छथि। सीमा सुरक्षा बल (बीएसएफ) पड़ोसी देशमे भेल हिंसक घटनाकेँ देखैत भारत-बांग्लादेश सीमासँ सटल ४,०९६ किलोमीटर क्षेत्रमे अपन सभटा इकाईकेँ हाई अलर्ट जारी कयलक अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *