चुनाव

कांग्रेस पर्सनल लॉ आनि शरियासँ चलाबय चाहैत अछि देश : अमित शाह

गुना
*

गुना लोकसभा सीटसँ भाजपा उम्मीदवार ज्योतिरादित्य सिन्धियाक समर्थनमे एकटा जनसभाकेँ सम्बोधित करैत गृहमंत्री अमित शाह कांग्रेसपर तीक्षण हमला कयलनि।

पिपरईमे आयोजित जनसभामे कांग्रेसक घोषणापत्रक उल्लेख करैत अमित शाह कहलनि जे कांग्रेस सत्तामे अयला पर फेरसँ पर्सनल लॉ अनबाक वचन देलक अछि। ओ सभ मुस्लिम पर्सनल लॉ आनय चाहैत छथि आ शरियाक अनुसार देश चलाबय चाहैत छथि। एकरा संग फेरसँ तीन तलाक लाबय चाहैत अछि। राहुल गांधी ई सब तुष्टिकरणक लेल करय चाहैत छथि, मुदा जाबत भाजपा अछि, हम पर्सनल लॉ केर अनुमति नहिं देब। ई देश यूसीसी पर चलत, समान नागरिक संहिताक संग चलत।

ओ आगू कहलनि जे हमर सरकार उत्तराखंडमे यूसीसी लागू कयलक। हमर वादा अछि जे हम पूरा देशमे यूसीसी लागू करब। हमर प्राथमिकता एससी, एसटी, ओबीसी अछि। कांग्रेसक कहब अछि जे एहि देशक संसाधनसभ पर मुसलमानक पहिल अधिकार अछि। हुनकर इरादा पूरा नहिं होएत। एहि देशक संसाधनसभ पर पहिल अधिकार गरीब, दलित, ओबीसी आ आदिवासीक अछि। कांग्रेस ओबीसी विरोधी पार्टी अछि। ओ काका कालेलकरक रिपोर्टकेँ कतेको बरख धरि दबेने रखलक। मंडल आयोगक रिपोर्टकेँ दबा देल गेल। ओ केंद्रीय संस्थानमे ओबीसीकेँ आरक्षण नहिं देलक, ओबीसी आयोगक गठन नहिं कयलक। प्रधानमंत्री मोदी ओबीसी आयोगक गठन कऽ पिछड़ा वर्गकेँ संवैधानिक सम्मान देबाक काज कयलनि अछि। नीट परीक्षामे, मेडिकल एडमिशन आ अन्य केंद्रीय संस्थानमे ओबीसीकेँ ३७ प्रतिशत आरक्षण देबाक काज पीएम मोदी कयलथि।

प्रधानमंत्री मोदीक दस सालक कार्यकालमे कयल गेल ऐतिहासिक काजक उल्लेख करैत शाह कहलनि जे ओ एकटा नव संसद बनौलनि, कर्तव्य पथक निर्माण कयलनि आ चन्द्रमाक दक्षिणी ध्रुव पर पूरा दुनियामे पहिल बेर हमर चन्द्रयानकेँ उतारि शिव शक्ति प्वाइंट बनौलनि। प्रधानमंत्री मोदी देशक करोड़ो गरीब लोकक लेल बहुत नीक काज कयलनि। कश्मीरसँ अनुच्छेद ३७० हटा कऽ आतङ्कवादपर अंकुश लगाओल गेल। राहुल गाँधी डराबैत छलाह आ कहैत छलाह जे अनुच्छेद ३७० हटला पर खूनक नदी बहत। अनुच्छेद ३७० केँ समाप्त भेलाकेँ पाँच साल भऽ गेल अछि, खूनक नदीकेँ छोड़ि दियौक, कंकड़ चलयबाक पर्यंत हिम्मत नहिं अछि। ओ कहलनि जे ७० साल धरि कांग्रेस पार्टी राम मन्दिरक मुद्दाकेँ अटकाबैत, लटकाबैत आ भटकाबैत रहल। जखन नरेन्द्र मोदी दोसर बेर प्रधानमंत्री बनलाह तखनि पहिने सर्वोच्च न्यायालयमे ई मामिला जीतल गेल। तखन भूमि पूजनक बाद प्राण-प्रतिष्ठा कयल गेल। सोनिया गाँधी आदिकेँ निमंत्रण भेटल मुदा रामललाक प्राण-प्रतिष्ठा समारोहमे जयबाक समय नहिं भेटलनि।

केन्द्रीय मंत्री अमित शाह गुनाक विकासमे सिंधिया राजपरिवारक योगदानकेँ स्मरण कयलनि। संगहि गुना सांसद केपी यादवकेँ टिकट काटि सिंधियाकेँ उम्मीदवार बनाबय पर ओ आश्वासन देलखिन जे पार्टी केपी यादवक चिंता करत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *