मंत्री संतोष सुमन कहलनि जे सरकार द्वारा हरसंभव प्रयास कयल जा रहल अछि, चाहे रहन-सहन-भोजनक लेल राहत शिविर लगाबय केर बात होय, वा फूड पैकिंग भेजय केर बात होय, सभ किछु तत्परतासँ कयल जा रहल अछि।
बिहारमे लगातार बरखाक बाद कोसी नदी आ गंडक नदीमे अभूतपूर्व वृद्धिक कारण कोसी नदीक एहि बेर जलस्तर ९४ मीटर धरि पहुँचि गेल अछि। बाढ़िक स्थितिसँ लोक परेशान अछि। बाढ़िक समस्या पर आपदा प्रबंधन मंत्री संतोष सुमन सोमदिन कहलनि जे बाढ़िक कारण बिहारमे स्थिति निश्चित रूपसँ चिंताजनक अछि। मुदा, ओ इहो कहलनि जे एखनि स्थिति ओतेक भयावह नहिं भेल अछि। बिहार सरकारक संग केंद्र सरकार सेहो बिहारक बाढ़ि पर नजरि राखि रहल अछि।
मन्त्री सन्तोष सुमन कहलनि जे गंगाक जलस्तर सेहो बढ़ल अछि, जाहि कारण १६ जिला बाढ़िसँ प्रभावित भेल अछि आ नेपालसँ पानि छोड़ल गेल अछि, एहिमे १३ जिला एखनि धरि बाढ़िसँ प्रभावित भऽ चुकल अछि। तऽ बिहारमे बाढ़िसँ कुल २९-३० जिला प्रभावित भेल अछि। ओ कहलनि जे सीमावर्ती मिथिला क्षेत्रमे बाढ़िक स्थिति बहुत दिनक बाद आयल अछि। केन्द्रीय मंत्री नित्यानन्द राय सेहो बाढ़िक स्थितिक जायजा लेबाक लेल पहुँचल छथि आ देखि रहल छथि। हम सभ चीज पर सेहो गौर कए रहल छी, जरूरत पड़ला पर केंद्र सरकारसँ सेहो मदद लेब।
ओ कहलनि जे कतेको जगहसँ भेटल जानकारीमे चारि जिलामे पांच जगह पर तटबंध टूटि गेल अछि। हम मिनट दर मिनट हर मिनट जानकारी लए रहल छी आ आकलन कए रहल छी। जरूरतक मुताबिक हमसभ एनडीआरएफ आ एसडीआरएफ भेज रहल छी। सरकार द्वारा हरसंभव प्रयास कयल जा रहल अछि, चाहे ओ लोककेँ बचाबय केर काज होय वा रहय आ खाय लेल राहत शिविर लगाबय केर काज होय वा फूड पैकिंग भेजय केर काज होय। सभ जगह तत्परतासँ काज कएल जा रहल अछि। सभ जगह नाव एम्बुलेंस आ नावक व्यवस्था कयल गेल अछि। जल संसाधन विभागक टीम सेहो आपदा प्रबन्धनमे लागल अछि आ सभ सतर्क अछि।
बचाव अभियानमे लापरवाही आ खान-पानक वस्तु नहिं पहुंचबाक शिकायत पर मंत्री संतोष सुमन कहलनि जे एहन लापरवाही किछु जगह पर भऽ सकैत अछि, मुदा हमर टीम लगभग हर जगह लागल अछि। नावक संख्या बढ़ाओल जा रहल अछि आ हम निगरानी कए रहल छी। सभ जगह डीएमसँ गप्प कए रहल छी। हमर आपदा प्रबंधनक अपर मुख्य सचिव दरभंगामे डेरा डालि देने छथि आ जतयसँ एहेन घटनाक सूचना भेटैत अछि, ओहि पर तत्काल काज कएल जा रहल अछि। हम तत्काल राहत आ सुविधा प्रदान करबाक लेल काज करब।
ओ कहलनि जे जरूरत पड़ला पर सेनाक मदद लेल जायत, मुदा एखन धरि सेनाक मदद लेबाक कोनो स्थिति नहिं अछि। तटबन्ध टूटलाक सवाल पर ओ कहलनि जे जल संसाधन विभागक अधिकारी सेहो अलर्ट मोड पर छलाह, मुदा नेपालसँ जे पानि छोड़ल गेल अछि ओ बहुत तेज छल, ओ बान्ह तोड़ि देलक। किछु एहेन अछि जे स्वाभाविक अछि। ओ हमरा सभक नियंत्रणमे नहि अछि, तेँ कोनो अधिकारीपर आरोप लगायब उचित नहिं अछि, इंजीनियर सभ लागल छथि।