आइ (२२-०१-२०२४) दिनक १०:२५ बजेसँ अयोध्यामे रामललाक घरवास आ प्राण-प्रतिष्ठाक शुभ अवसर पर क्रमशः सम्पूर्ण मैथिली रामायण मिथिलाक्षरमे हस्तलिखित सियारामकेँ समर्पित कय रहल छथि मिथिलाक्षर साक्षरता अभियानीगण। मुख्य रूपसँ मिथिलाक्षर साक्षरता अभियानक फेसबुक समूह, मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश (राष्ट्रीय मैथिली दैनिक) केर फेसबुक समूह आ ट्विटर आदि अपन-अपन विभिन्न सोशल मीडिया साइट पर पोस्ट कय सियारामकेँ संग-संग मिथिलाक्षरमय कय रहल छथि।
एहि अद्भुत कीर्तिमानक लेल सभगोटेकेँ अनंत अभिनंदन, धन्यवाद आ स्वागत।