पटना जंक्शन पर बनि रहल मल्टीलेवल हब आ भूमिगत मार्ग (सब-वे) केर निरीक्षण करैत मुख्यमंत्री नीतीश कुमार अधिकारी सबकेँ निर्माण कार्य जल्दीये पूरा करबाक निर्देश देलनि।
मुख्यमंत्री नीतीश कुमार शुक्रकेँ पटना जंक्शन लग निर्माणाधीन मल्टीलेवल हब आ सब-वे केर निरीक्षण कयलनि। निरीक्षणक दौरान मुख्यमंत्री अधिकारी सभकेँ निर्माण कार्य जल्दीसँ जल्दी पूरा करबाक निर्देश देलनि। मल्टीलेवल पार्किंगक छत पर सौर प्लेट सेहो लगाओल जाय जाहिसँ एतय बिजलीक आवश्यकता पूरा कयल जा सकय।
नीतीश कुमार कहलनि जे पटना जंक्शन लग ट्रैफिक जामक समस्या केर देखैत एहि सब-वे केर निर्माण कयल जा रहल अछि। एहि ठाम बहुत भीड़ अछि, जाहि कारणेँ सड़क पार करब कठिन अछि। संगहि, दुर्घटनाक संभावना सेहो अछि। एहि कारणेँ सब-वे केर परिकल्पना कयल गेल। ओ कहलनि जे एकरा नीक तरीकासँ कऽ एकर निर्माण कार्य जल्दिये पूरा कयल जाय जाहिसँ यात्री आवागमनमे सहज भऽ सकय आ ओ जामक समस्यासँ बचि सकय।
संगहि शहरी विकास आ आवास विभागक सचिव अभय कुमार सिंह कहलनि जे मल्टीलेवल पार्किंगमे ३२ बस आ २२५ कार केर पार्किंगक प्रावधान अछि। ई पार्किंग बुद्ध स्मृति पार्क लग पार्किंग आ पटना रेलवे जंक्शनसँ सब-वे केर माध्यमसँ सीधा जुड़ल रहत। गाड़ी ठाढ़ कएलाक बाद पटना जंक्शन जयबामे लोककेँ कोनो असुविधा नहि होयत। एहिसँ लोक पटना जंक्शनक लगपासक जामसँ छुटकारा पाबि जायत। लोक हनुमान मन्दिर सेहो जा सकैत छथि।
पटना जंक्शनक निर्माणाधीन भूमिगत मार्ग (सब-वे) केर उद्देश्य पटना जंक्शन रेलवे स्टेशन क्षेत्रक अन्तर्गत यातायात प्रणालीक विकास करब अछि। पटना जीपीओ गोलाम्बर लग एकटा मल्टीलेवल पार्किंग हबक निर्माण कयल जा रहल अछि, जे यातायातक विभिन्न स्रोतसभकेँ जोड़यवला एकटा प्रमुख केन्द्र अछि। सिटी बस, ऑटो, टैक्सी आ निजी कार पार्किंगक व्यवस्था अछि, जतयसँ पटना रेलवे स्टेशन आ महावीर मंदिर, बुद्ध पार्ककेँ जोड़बाक लेल मेट्रोक निर्माण कयल गेल अछि। एहिमे ०३ स्थान – मल्टीलेवल पार्किंग लग, बुद्धा स्मृति पार्क लग आ पटना जंक्शन लगक हनुमान मंदिरक बगलसँ प्रवेश/निकासक व्यवस्था होयत।