‘मैथिल समाज किराड़ी’, दिल्ली द्वारा स्मृति दिवस पर स्मरण कयल गेलाह ‘अभिनव जयदेव’ विद्यापति ठाकुरजी
*
नई दिल्ली
*
‘कार्तिक धवल त्रयोदशी जानि, आयु वा अवसान दिवस मानि!’ मैथिल कवि कोकिल विद्यापतिक अवसान दिवस पर “मैथिल समाज किराड़ी” दिल्ली द्वारा उगना महादेव मंदिर विद्यापति नगर किराड़ी दिल्लीमे महाकवि विद्यापतिक आदमकद प्रतिमा पर माल्यार्पण सह पु्ष्पांजलि कयल गेल, जाहिमे मैथिल समाज किराड़ीक अध्यक्ष बलराम मिश्र ‘मैथिल’, संस्थाक वरिष्ठ उपाध्यक्ष सुमन ठाकुर, उपाध्यक्ष अमित झा, महासचिव नीरज कुमार झा, सचिव अभिषेक ठाकुर, सह-सचिव कमलेश झा, कोषाध्यक्ष जीवन झा, कानुनी सलाहकार विवेक झा, मीडिया प्रभारी मुरारी मोहन झा, संस्थाक संरक्षक मंडलीक’ अरुण मिश्रा, रंजीत चौधरी, अरुण ठाकुर, फेकन झा, मैथिल सेवी प्रणव झा, कन्हैया झा, मनिष ठाकुर, आशुतोष झा, रतन मिश्रा, सतिश मिश्रा, प्रभात झा, शशांक झा, राजीव पाठक, अनुप मैथिल, धीरु मिश्रा, शिवशंकर ठाकुर, विभूति झा, सुधीर चौधरी, सुर्यकांत झा, मिंटु झा, रमाशंकर पाठक, राजकुमार झा, विश्वभर झा सहित समाजक वरिष्ठ आ गण्यमान्य लोकनिक उपस्थिति रहल।
महाकवि विद्यापति रचित गोसाओनि गीत “जय जय भैरवि असुर भयावनि…’ केर गायनसँ हुनका स्मरण करैत विद्यापतिक जीवन पर प्रकाश डालल गेल। माल्यार्पणक बाद मैथिली मंचक सुप्रसिद्ध गायक आमोद कुमार झा आ किरण झा द्वारा विद्यापति रचित गीत नाद आ मंगलगानसँ उगना महादेव मन्दिरक आसपासक वातावरण भक्तिमय बनल छल।
‘मैथिल समाज किराड़ी’क अध्यक्ष बलराम मिश्र ‘मैथिल’ कहलनि जे, “हमरा लोकनिक द्वारा ‘मैथिल कवि कोकिल विद्यापति स्मृति दिवस’ बहुतों कारणसँ विशेष आयोजन सिद्ध होइत आबि रहल अछि। हमर जनतबक अनुसार दिल्ली एनसीआर केर पहिल आ समस्त भारतक छठम वा सातम एहेन संस्था अछि जे अभिनव जयदेवक आयु वा अवसान (महाप्रायण) दिवस कार्तिक धवल त्रयोदशी क’ माल्यार्पण सह पूष्पांजलि कार्यक्रम आयोजित कय मात्र आ मात्र विद्यापति रचित गीतनाद वा कीर्तन भजनक आयोजन करैत अछि। हमर मानब अछि जे हमरा लोकनिककेँ अपन आ बड़का कलाकारक सुविधा अनुसार विद्यापति स्मृति दिवस नहिं मनाबी, जँ विद्यापति स्मृति दिवस मनाबी तऽ कार्तिक धवल त्रयोदशी जहिया परैत होय तहिये मनाबी। एहि बातकेँ मानैत हमरा लोकनि ‘मैथिल समाज किराड़ी” केर स्थापना कयलौंह आ आयोजन विगत कैयोक वर्षसँ होइत आबि रहल अछि, आ साल दर साल प्रगतिक नव-नव सोपान चढ़ि रहल अछि।”
ओ आगू कहलनि, “अहि बेर सफलताक नव सोपान चढ़ि क’ इ आयोजन एहि बातकें सिद्ध कयलक जे मात्र आ मात्र बाबा विद्यापति केर पद्यक गायनसँ एकटा पूरा समारोह केर आयोजन कयल जा सकैत अछि। कियैकी अहि स्मृति दिवसमे पहिल बेर मैथिली गीत गायनक सुप्रसिद्ध गायक आमोद कुमार झा सन ख्यातिप्राप्त गायक केर गायन सेहो छलैन्हि आ हुनक संग पुरेलखिन्ह मैथिली गायिका श्रीमति किरण झा। पूर्वमे खाली कीर्तन भजन होइत रहल अछि, बिना कोनो फूहड़ता आ द्विअर्थी गीतक श्रोतावृंदकेँ आनंद विभोर कयल जा सकैत अछि। अहाँ लोकनिक बीचमे हमरा सभहक माध्यमसँ लाइब जरूर पहुंचल होयत।”
ओ आगू कहलनि,”मैथिल समाज किराड़ी केर संरक्षक आ हमर सबहक परम सहयोगी प्रणव झा आ बहुत सदस्यसभ लोकक वॉल पर कैयोक टा विडियो लाईव प्रसारित अछि स्वयं देखि सकैत छियैक।”
आगा ओ कहलनि,
“हमर सौभाग्य जे हमर सबहक सोचल बात शनै:-शनै: सफलीभुत केर तरफ अग्रसर अछि। अहि माल्यार्पण सह पूष्पांजलि कार्यक्रममे सम्मिलित होयनिहार समस्त लोकनिकेँ बहुत-बहुत आभार, एहि सुंदर समारोह केर हिस्सा बनलहुं, ताहि लेल समस्त मैथिल समाज किराड़ीकेँ कार्यकारिणी सदस्य आ संरक्षक मंडलीक हार्दिक बधाई।”