कांग्रेस नेता राहुल गाँधी हरियाणाक नूंहमे एकटा जनसभाकेँ सम्बोधित करैत भाजपा आ आरएसएस पर भयंकर प्रहार कयलनि। ओ आरोप लगओलनि जे भाजपा आ आरएसएसक लोक देश भरिमे घृणा आ विभाजनक राजनीति कऽ रहल छथि। राहुल कहलनि, ” देशकेँ जोड़ब आ एकजुट राखब हमर दायित्व अछि। हमरा सबकेँ मिलिकेँ एहि घृणा केर मिटाबए केर अछि।
लोकसभामे प्रतिपक्षक नेता आ कांग्रेस सांसद राहुल गाँधी जनसभाकेँ सम्बोधित करैत कहलनि, “लड़ाई संविधानक लेल अछि। हम प्रेम पसारैत छी, ओ नफरत पसारैत अछि। छोट-छोट दल घूमि रहल अछि। ई अछि भाजपाक ए, बी, सी, डी, ई, एफ टीम। ओकर समर्थन नहिं करू। कांग्रेसकेँ वोट दिअ।
राहुल कहलनि जे हरियाणाक युवाकेँ अमेरिकामे रोजगार भेटत, मुदा एतय रोजगार नहिं भेटत। नरेन्द्र मोदी पैघ गप्प करैत छथि, मुदा ओ नहिं कहैत छथि जे बेरोजगारीमे हरियाणा कोना पहिल स्थान पर पहुँचल। नरेन्द्र मोदी अरबपतिक सरकार चलाबैत छथि। ओ अरबपतिक ऋण माफ कऽ दैत छथि मुदा गरीब आ किसानक ऋण माफ नहिं करैत छथि।
राहुल गांधी कहलनि जे ई संविधान केर बचाबय केर चुनाव अछि। देशक गरीब, किसान आ मजदूरकेँ जे किछु भेटल अछि, संविधान देलक अछि। मुदा भाजपा-आरएसएसक लोक संविधानकेँ नष्ट करय चाहैत छथि। जँ संविधान नहिं रहत तऽ गरीबक हाथमे किछु नहिं बचल रहत आ अहाँक सभ पाइ २०-२५ लोककेँ चलि जायत। ताहि लेल कांग्रेस पार्टी प्रत्येक चुनावमे संविधानकेँ बचाबय लेल लड़ैत अछि।