चुनाव

अमित शाह झारखंड चुनावक लेल कयलनि भाजपाक घोषणापत्र जारी

राँची
*

केन्द्रीय गृह मंत्री अमित शाह रविदिन रांचीमे झारखंड विधानसभा चुनावक लेल भारतीय जनता पार्टी (भाजपा) केर घोषणापत्र जारी कयलनि। एहि अवसर पर असमक मुख्यमंत्री हिमंत बिस्वा सरमा, केन्द्रीय मंत्री शिवराज सिंह चौहान, संजय सेठ आ भाजपा झारखंड अध्यक्ष बाबूलाल मरांडी उपस्थित छलाह।

संकल्प पत्र लोकार्पण कार्यक्रममे भाजपा झारखण्ड अध्यक्ष बाबूलाल मरांडी कहलनि जे झारखण्डमे विकास कार्य तखने भेल अछि जखनि राज्यमे भाजपाक सरकार रहल अछि। मरांडी कहलनि, “झारखण्डमे जखनि-जखनि भाजपा सरकार बनल अछि तखनि-तखनि राज्यमे विकासक काज भेल अछि। जखनि-जखनि झारखंड मुक्ति मोर्चा (झामुमो) सरकार बनौलक अछि तखनि-तखनि ओ राज्यक लेल किछु नहिं कयलक अछि आ मात्र अपन परिवारक विकास कयलक अछि। एहि बेर लोक एनडीए सरकार बनेबाक मन बना लेलक अछि।”

भाजपा प्रवक्ता प्रतुल शाहदेव कहलनि जे घोषणापत्रमे झारखण्डक सभ वर्गकेँ शामिल कयल गेल अछि, जाहिमे किसान, महिला, युवा, बुनियादी ढाँचा आ विकाससँ जुड़ल मुद्दा पर ध्यान केन्द्रित कयल गेल अछि। ८१ सदस्यीय झारखंड विधानसभाक चुनाव दू चरणमे १३ नवम्बर आ २० नवम्बरकेँ होयत, आ मतगणना २३ नवम्बरकेँ होयत। पछिला विधानसभा चुनावमे झारखंड मुक्ति मोर्चा (झामुमो) ३०, भाजपा २५ आ कांग्रेस १६ सीट जीतल छल।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *