शिक्षा

बिहार सीएचओ परीक्षा रद्द, ईओयू कयलक १२ केंद्र पर छापामारी, ३७ गिरफ्तार

पटना
*

बिहार पुलिसक आर्थिक अपराध इकाईक टीम एक संग १२ टा केंद्र पर छापा मारलक। जाँचक बाद जे मामिला सामने आयल ओ चकित करयवाला छल। सॉल्वर गिरोह एहि परीक्षामे धांधली कए रहल छल। केंद्र संचालक सेहो एहिमे शामिल छलाह।

बिहारमे सामुदायिक स्वास्थ्य अधिकारीक ४५०० पदक लेल आयोजित परीक्षामे गड़बड़ी पकड़ल गेल अछि। बिहार पुलिसक आर्थिक अपराध इकाईक टीम एक संग १२ टा केंद्र पर छापा मारलक। जाँचक बाद जे मामिला सामने आयल ओ चकित करयवाला छल। सॉल्वर गिरोह एहि परीक्षामे धांधली कए रहल छल। केंद्र संचालक सेहो एहिमे शामिल छल। ईओयू शाइन टेक प्राइवेट लिमिटेडक लोकसभ, ऑनलाइन परीक्षा केन्द्रक प्रमुख, ऑनलाइन परीक्षा केन्द्रक आईटी प्रबंधक, परीक्षा समन्वयक आ आईटी सहायक कर्मचारी सहित ३७ गोटेकेँ गड़बड़ीक आरोपमे हिरासतमे लेलक अछि।

कहल जा रहल अछि जे ई कार्यक्रम सामुदायिक स्वास्थ्य अधिकारी लेल आयोजित कयल गेल छल। तीनटा ऑनलाइन परीक्षा केन्द्रपर जाँचक क्रममे ई पता चलल जे प्रॉक्सी सर्वर, रिमोट व्यूइंग एप्लिकेशन आ सॉफ्टवेयरक उपयोग कऽ एकटा सॉल्वर गिरोहकेँ वास्तविक समयमे ऑनलाइन आधारित परीक्षामे अनधिकृत पहुँच प्रदान कयल गेल छल। जनतब जे पूरा बिहारमे सीएचओ केर ४५०० पद बहाल होबय वाला छल। पटनाक १२ टा केंद्र पर छापामारीक दौरान संदिग्धसभसँ व्हाट्सएप चैट, ईमेल, ऑडियो बरामद कयल गेल अछि, जाहिमे परीक्षामे अनियमितताक सबूत छल। एकर बाद परीक्षा रद्द कए देल गेल।

पटनाक परीक्षा केंद्र -:
एसीएमई इंस्टीट्यूट ऑफ इनफोर्मेंशन, एकम इवोल्यूशन, श्रीराम इन्फोटेक, टेक्नोपार्क ऑनलाइन एग्जामिनेशन, पाटलिपुत्र डिजिटल सेंटर, नितई इन्फोटेक ऑनलाइन एग्जामिनेशन सेंटर, अयोध्या इंफोसेल, रोरो डिजिटल, यूनिवर्स डिजिटल नेटवर्क, इनफोर्मेटिंक कंप्यूटर एजुकेशन, विस्डम ऑनलाइन एग्जाम सेंटर आ वायर ऑनलाइन एग्जाम सेंटर।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *