प्रधानमंत्री आवास योजना आ मुख्यमंत्री आवास योजनाक प्रगति लेल प्रखंड कार्यालयमे एकटा समीक्षा बैसार आयोजित कयल गेल । बैसारक अध्यक्षता प्रखंड विकास पदाधिकारी प्रवीण कुमार कयलन्हि । ओहि दौरान बी डी ओ प्रवीण कुमार सभ आवास सहायक ,आवास पर्यवेक्षक आ लेखा सहायककेँ कड़गर निर्देश जारी करैत १०० दिनक अंदर स्वीकृत सभ आवासक निर्माण कार्य पूरा करेबाक निर्देश देलनि ।
समीक्षाक दौरान ओ निर्माण काजक प्रगति केर समीक्षा करैत कहलनि जे प्रत्येक दिन सभ आवास सहायक लाभुक सबहक घर जा कय ओकरा सभसँ भेंट कऽ कय १०० दिनक अंदर ओकरा सबहक आवास निर्माण काजकेँ पूरा करेबाक लेल प्रेरित करैत जाउ। एहि संबंधमे विडिओ प्रवीण कुमार सभ सहायकसँ एकटा विजिटिंग डायरी बनेबाक निर्देश देलनि जाहिमे प्रत्येक दिन लाभुक सबहक हस्ताक्षर तिथि वार करेबाक लेल कहलनि। काजक प्रगति अनुसार द्वितीय आ तृतीय किस्तक भुगतानमे तेजी आनू जाहिसँ ससमय निर्माण काज पूरा कयल जा सकय ।