सीएम साइंस कॉलेजक राष्ट्रीय सेवा योजना इकाई आ दरभंगा वन प्रमंडलक संयुक्त तत्वावधानमे शनिदिन महाविद्यालय परिसरमे पौधारोपण कयल गेल। ‘एक पेड़ माँ के नाम’ कार्यक्रमक अंतर्गत आयोजित पौधारोपण कार्यक्रमक शुरुआत करैत महाविद्यालयक प्रधानाचार्य प्रो दिलीप कुमार चौधरी कहलनि जे गाछ-वृक्ष हमर स्वस्थ जीवनक अनिवार्य शर्त अछि। जतय गाछ-वृक्ष अछि ओतय जीवन तऽ अछिए, ओहि जीवनकेँ सुरक्षित होयबाक निश्चितता सेहो ईएह दैत अछि। ओ एनएसएस केर स्वयंसेवक छात्र-छात्रासँ समाजक सभ तबका केर लोकक मनमे पर्यावरण संरक्षण आ संवर्धनक भाव जगेबाक सलाह देलनि। ओ अपील कयलनि जे ‘एक पेड़ मां केर नाम’ अभियानक संकल्प सभ व्यक्ति लेथि आ एकरा तन-मन-धनसँ लक्ष्य धरि पहुँचाबथि।
मौका पर उपस्थित वन प्रक्षेत्र पदाधिकारी अर्जुन प्रसाद गुप्ता कहलनि जे ‘एक पेड़ मांँ केर नाम‘ अभियान प्रधानमंत्री श्री नरेन्द्र मोदी जीक प्रकृति केर सेवा आ मांँ केर प्रति सम्मानक अनुकरणीय भाव अछि। ओ दरभंगा जिलामे एहि अभियानकें जन-जनअभियान बनेबाक आह्वान कयलनि। वन परिषद पदाधिकारी काजल कुमारी पौधा-रोपण बेसीसँ बेसी होय लेल सबकें संकल्पित होयबाक जरूरति पर बल देलनि। ओ एहि अभियानमे महाविद्यालयक सक्रिय सहभागिताक सराहना करैत एहि अभियानमे बेसीसँ बेसी युवाकें जोड़बाक आह्वान कयलनि।
एहि अवसर पर एनएसएस केर कार्यक्रम पदाधिकारी डा. सत्येंद्र कुमार झा वन विभागकें धन्यवाद प्रेषित करैत कहलनि जे पर्यावरणकें बचायब आजुक दौरक पहिल आवश्यकता अछि आ पौधारोपण एहि दिशामे महत्वपूर्ण डेग अछि।
एहि अवसर पर वन विभागक अनेक अधिकारी सहित महाविद्यालयक शिक्षक, शिक्षकेत्तर कर्मचारी आ स्वयंसेवक उपस्थित छलाह। जाहिमे उप वन परिषद विवेक कुमार, अनुराग रंजन, तारकेश्वर कुमार, डा. अजय कुमार ठाकुर, प्रवीण कुमार झा, चेतकर झा, राधेश्याम झा, चन्द्रकान्त चौधरी, कुमार राजर्षि, इकरा, आफिया, अम्बे, वैष्णवी, विवेक, केशव आदि उपस्थित छलथि। मौका पर एनएसएस केर स्वयंसेवक रोपित पौधा तथा प्रकृति केर संरक्षण आ संवर्धनक संकल्प सेहो लेलनि।