समारोह

भारत रत्न पूर्व राष्ट्रपति डॉ कलामक ९३म जयंती समारोह आयोजित

कलाम साहबक जिनगी फूजल किताब सदृश्य छल : ललित कुमार सिंह
*
सहरसा समदिया
*

पूर्व राष्ट्रपति भारत रत्न डॉ. एपीजे अब्दुल कलामक ९३म जयंती मंगल दिन शहरक सुपर मार्केट स्थित संभागीय पुस्तकालयमे भूमि सुधार अधिकारी ललित कुमार सिंह केर अध्यक्षतामे मनाओल गेल।जाहिमे प्रबंधक प्रशासन संभागीय पुस्तकालय मुक्तेश्वर प्रसाद सिंह, किलकारीकेँ सहायक कार्यक्रम अधिकारी मधु कुमारी, पुस्तकालयकर्मी कुमारी विनीत एवं पाठ्य कक्षक छात्रा सब भाग लेलनि।

सबसँ पहिने डॉ. एपीजे कलामक फोटो पर फूल एवं माला चढा प्रणाम निवेदित कयल गेल। प्रणाम करनिहारमे पाहुन लोकनिक संग पुस्तकालयमे चलि रहल निःशुल्क बीपीएससी मार्गदर्शन कक्षाक छात्र समाधि वर्मा, दिव्या ज्योति, राखी कुमारी, मनीषा कुमारी, शिवेन्द्र कुमार, नंदन आ पुस्तकालयक कार्यकर्ता विकास कुमार, भोगी पंडित आ लगभग सब गोटे वर्तमान छात्र लोकनि पुष्प अर्पित केलनि।

तखन केक काटि क’ हुनका स्मरण कयल गेल। सभसँ पहिने डीसीएलआर ललित कुमार सिंह कहलखिन्ह जे हमरा कलाम साहेबक संग तीन महीना बिताबय केर मौका भेटल, हुनकर हाउस गार्डमे हुनकर जीवन एकटा किताब अछि ।कलाम साहब कहलनि ओ राति सुतलमे सपना देखनिहारमे सँ नहिं छथि, ओ कहैत छलथि जे सपना ओ होइत अछि सुतय नहिं दैत अछि। डॉ. कलाम वैज्ञानिक शोधक माध्यमे रक्षा आ अंतरिक्षक क्षेत्र मे भारत केँ समृद्ध बना देलनि।

प्रबंधक मुक्तेश्वर कहलनि, जँ देखब तऽ पायब हुनकर जीवनक शुरूमे गरीबी रहबाक कारण ओ गाममे पढ़ने छलाह।फेर गरीबीक कारण पढ़य लेल अखबार बेचय पडलन्हि। मुदा गरीबी हुनकर रास्ता नहिं रोकलक, बल्कि हवामें उड़य केर इच्छा हुनका एयरोनॉटिक्स इंजीनियर बना देलक।

ओ अपन क्षमताक बल पर डीआरडीओ ईसरोमे रहैत पोखरण परमाणु परीक्षण टेस्ट 2 आ अग्नि पृथ्वी, आकाश मेड बैलिस्टिक मिसाइल जेकर नाम त्रिशूल आ नाग अछि। जे हमर राम आ कृष्णक आग्नेयास्त्र शब्दभेदी वाणक समान अछि आ आकाशमे एसएएलवी ३ बना रोहिणी उपग्रह लगा देलक।

एहि अवसर पर सहायक कार्यक्रम पदाधिकारी मधु कुमारी छात्रा सबकें डॉ. कलामक जीवनक आदर्श अपन जीवनमे धारण करबाक लेल प्रेरित कयलनि। निबंध प्रतियोगितामे पहिल स्थान पर समाधि वर्माकेँ प्रमाण पत्र आ कलाम साहेब पर ललित कुमार सिंह लिखल पुस्तकसँ सम्मानित कयल गेल। संगहि महनार रोड हाजीपुरक काजल कुमारी दोसर स्थान पर रहलीह, जिनका डाक प्रमाण पत्र देल गेल। अंतमे छात्रा समाधि वर्मा धन्यवाद ज्ञापन द क आभार व्यक्त केलनि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *