नियम सबहक उल्लंघन आ भ्रष्टाचारक लेल बहुचर्चित बेनीपुर नगर परिषद एक बेर फेर चर्चाक केंद्रमे आबि गेल अछि । एहिमें अल्पकालीन प्रभारमे रहल नगर निगम दरभंगाक सहायक प्रशासक जयकुमार सेहो संदेहक घेरामे आयल छथि।
ज्ञातव्य अछि जे पछिला दू सालसँ नगर परिषद भ्रष्टाचारक मामिला केर लऽकय लगातार सुर्खीमे बनल रहैत अछि । एहिमें सफाई कर्मी केर जिम्मेदारी सम्हारि रहल स्वयंसेवी संस्थाक मनमानी ढंगसँ राशि बढ़ोतरीसँ लऽकय योजना परियोजना धरि नगर परिषदक कार्यपालक पदाधिकारी आ पार्षद सबहक बीच रस्साकसी लगातार जारी अछि जकर परिणाम विगत दिन देखय लेल भेटल जखनि नगर परिषदक कार्यपालक पदाधिकारी दीपक कुमार जून मासमे स्थानीय पुलिस प्रशासनक संग-संग स्थानीय प्रशासन आ विभागीय पदाधिकारीकेँ लिखित सूचना दैत अपन जान मालक खतरा बतौने छलाह। एहि के लेल मुख्य पार्षद सहित सशक्त स्थाई समितिक सदस्यकेँ जिम्मेदार ठहरेने छलाह मुदा आइधरि थानास्तरसँ ओहि मामिलामे कोनो कारवाई नहि भऽ सकल आ नञि विभागीय स्तरसँ।
एहिय बीचमे नगर परिषदक कार्यपालक पदाधिकारी दीपक कुमार चिकित्सीय अवकाश लऽकय लंबा छुट्टी पर चलि गेल छलाह आ दरभंगा नगर निगमक सहायक प्रशासक जयकुमारकेँ बेनीपुर नगर परिषदक कार्य प्रणाली सुधारक जिम्मेदारी सौंपल गेल छल । ओहि दौरान पाबनि-तिहार आ अन्यान्य मामिला सभकेँ लऽकय सभ वार्डमे पार्षद सभ द्वारा मनमाना ढंगसँ विकास योजना सभक विभागीय योजना बनाकय संचालित कयल गेल जखनकि विकास योजना सबहक निविदा प्रक्रिया केर तीन तीन बेर निरस्त कयल गेल छल।
एहि केर संदर्भमे स्थानीय मीडिया द्वारा जय कुमारसँ जानकारी लेबाक प्रयास कयल गेल छल जे कोन नियम केर तहत एक मुश्त 5 करोड़सँ बेसी केर राशिक योजना विभागीय स्तर पर संचालित कयल जा रहल अछि तऽ ओ एकर जवाब केर टालि देने छलाह।
जानकार सूत्रसँ भांज चलल जे बेनीपुर नगर परिषदक कार्यपालक पदाधिकारी दीपक कुमार द्वारा 18 दिसंबरकेँ अवकाश अवधि समाप्त भेलाक बाद पदभार ग्रहण करबाक सूचनासँ पहिनेहें प्रभारी जय कुमार करोड़ो टाकाक वारा न्यारा करैत एतयसँ चलैत बनलाह। ओहिमें पठाओल चेक सभकेँ बैंक वापस करैत दीपक कुमारसँ जानकारी मांगल गेल। एहि संबंधमें नगर निगमक सहायक प्रशासक जयकुमारसँ दूरभाष पर संपर्क करबाक प्रयास कयल गेल मुदा ओ फोन उठेनाई मुनासिब नहि बुझलनि। दोसर दिसि नगर परिषदक वर्तमान कार्यपालक पदाधिकारी दीपक कुमार बतेलनि अछि जे एखनधरि अभिलेखक अवलोकन नहि कयल गेल अछि मुदा बैंक द्वारा किछु चेककेँ अस्वीकृत करबाक सूचना देल गेल अछि।