भाजपा लोकसभा सांसद जगदम्बिका पाल वक्फ (संशोधन) विधेयक-२०२४ पर विस्तारसँ विचार करबाक लेल गठित जेपीसीक अध्यक्ष होयताह। पालकेँ ३१ सांसदवाला जेपीसीक चेयरमैन बनाओल गेल अछि।
केन्द्रीय अल्पसंख्यक कार्य आ संसदीय कार्य मंत्री किरेन रिजिजू हालेमे सम्पन्न संसद सत्रमे वक्फ अधिनियममे बदलाव अनबाक लेल लोकसभामे वक्फ (संशोधन) विधेयक-२०२४ प्रस्तुत कयलनि। एनडीए गठबंधनक हिस्सा टीडीपी आ विपक्षी दलक माँगकेँ स्वीकार करैत सरकार एहि विधेयककेँ जेपीसीकेँ पठयबाक बात स्वीकार कऽ लेलक।
किरेन रिजिजू एहि विधेयककेँ सदनमे जेपीसीकेँ पठयबाक प्रस्ताव रखलनि। ३१ सदस्यीय जेपीसीमे विभिन्न राजनीतिक दलक एक्कईस लोकसभा आ १० राज्यसभा सांसदकेँ शामिल कयल गेल अछि।
लोकसभासँ जगदंबिका पाल, निशिकांत दुबे, तेजस्वी सूर्या, अपराजिता सारंगी, संजय जायसवाल, दिलीप सैकिया, अभिजीत गंगोपाध्याय, डीके. अरुणा, गौरव गोगोई, इमरान मसूद, मोहम्मद जावेद, मौलाना मोहिब्बुल्लाह, कल्याण बनर्जी, ए. राजा, लावु श्री कृष्ण देवरायलु, दिलेश्वर कामत, अरविंद सांवत, एम सुरेश गोपीनाथ, नरेश गणपत म्हस्के, अरुण भारती आ असदुद्दीन ओवैसी सहित कुल २१ सांसदकेँ जेपीसीमे शामिल कयल गेल अछि।
ओतहि, राज्यसभासँ बृज लाल, मेधा विश्राम कुलकर्णी, गुलाम अली, राधा मोहन दास अग्रवाल, सैयद नसीर हुसैन, मोहम्मद नदीमुल हक, वी. विजयसाई रेड्डी, एम मोहम्मद अब्दुल्ला, संजय सिंह आ डी. वीरेंद्र हेगड़े सहित १० सासदकेँ एहिमे जगह देल गेल अछि।
एहि विधेयक पर विचार करय केर बाद जेपीसीकेँ संसदक अगिला सत्रक पहिने सप्ताहक आखिरी दिन अपन रिपोर्ट सौंपय लेल कहल गेल अछि।