महाराष्ट्र आ हरियाणा चुनावमे कांग्रेसक करारी हार देखि आम आदमी पार्टी सेहो सतर्क भऽ गेल अछि। इएह कारण अछि जे आम आदमी पार्टी दिल्ली विधानसभा चुनावमे असगर जयबाक निर्णय लेलक अछि।
आम आदमी पार्टी (आप) प्रमुख अरविंद केजरीवाल रविदिन दिल्ली विधानसभा चुनावक संबंधमे एकटा पैघ घोषणा कयलनि। दिल्लीक मुख्यमंत्री अरविन्द केजरीवाल सोमदिन कहलनि जे आगामी दिल्ली विधानसभा चुनावमे आम आदमी पार्टी (आप)क केकरो सङ्ग कोनो गठबन्धन नहि होयत।
पदयात्राक दौरान फेकल जा रहल तरल पदार्थ पर केजरीवाल कहलनि, “हमरा आशा छल जे अमित शाह एहि मुद्दा (कानून व्यवस्था) केँ उठयलाक बाद किछु कारवाई करताह, मुदा, एकर बदला हमर पदयात्राक दौरान हमरा पर हमला भेल। तरल पदार्थ हमरा पर फेंकल गेल छल, ई हानिरहित छल, मुदा ई हानिकारक भऽ सकैत छल। काल्हि हमर एकटा विधायककेँ गिरफ्तार कएल गेल। हुनकर (नरेश बालियान) गलती ई छल जे ओ उपद्रवी सभक शिकार भेलाह। एक-दू साल पहिने हुनका फिरौतीक लेल उपद्रवीक धमकी भेटल छल। ओ कतेको बेर शिकायत सेहो दर्ज कयने छलाह।”
जनतब जे एखनि धरि अरविंद केजरीवाल गठबंधन पर किछु नहि कहने छलथि, मुदा, आम आदमी पार्टीक कतेको नेता हरियाणा चुनावक बाद कहने छलाह जे दिल्लीमे आम आदमी पार्टीक कांग्रेसक सङ्ग कोनो गठबन्धन नहि होयत। आम आदमी पार्टी लोकसभा चुनावमे कांग्रेसक सङ्ग गठबन्धन देखलक अछि, जाहि कारणेँ ओकरा गठबंधनक कोनो लाभ नहि भेटल। ओतहि हरियाणामे सीटक विवादक कारण कांग्रेस गठबंधन नहि कऽ सकल।
यद्यपि आम आदमी पार्टी दिल्लीमे असगर चुनाव लड़बाक सङ्केत हरियाणा चुनावक समयमे दऽ देने छल। जखन सीट सभकेँ लऽ कऽ कांग्रेस आ आम आदमी पार्टीक बीच मामिला अटकल छल, तखनि आम आदमी पार्टीक कतेको नेता कहने छलाह जे दिल्लीमे कांग्रेसक सङ्ग कोनो गठबन्धन नहि होयत।