एक दिसि दल सभ बिहार विधानसभा चुनावक तैयारी शुरू कऽ देलक अछि। संगहि एकरा देखैत नेता लोकनि पाला बदलयवाला सियासत सेहो शुरु कऽ देलनि अछि।
जन सूरजक सूत्रधार प्रशांत किशोर जेडीयूकेँ बड़का झटका देलनि। जदयू नेता आ राज्य सचिव मोहम्मद इरफान बृहस्पति दिन जदयू केर प्राथमिक सदस्यतासँ इस्तीफा दऽ जन सुराज अभियानमे शामिल भऽ गेलाह। इरफान जेडीयूक अल्पसंख्यक प्रकोष्ठक जिला अध्यक्ष सेहो रहि चुकल छथि। एकर अतिरिक्त जिला परिषदक अध्यक्ष आ मुखिया सेहो छलाह। जमुई निवासी मोहम्मद इरफान प्रशांत किशोरक अभियानसँ प्रभावित भेलाक बाद ई निर्णय लेलनि अछि। जेडीयू केर लेल इ बड़का नुकसान मानल जा रहल अछि।
जन सुराज अभियानमे बिहारक प्रायः सभ दलक लोक लगातार पैघ संख्यामे शामिल भऽ रहल अछि। राजद पत्र जारी कए अपन नेता पर लगाम लगाबय केर कोशिश कऽ रहल अछि। तइयो कतेको नेता लगातार प्रशांत किशोरक संगठन जन सूरजमे शामिल भऽ रहल छथि।एहि कड़ीमे जेडीयू नेता मोहम्मद इरफान सेहो प्रशांत किशोरक संगठनमे शामिल भऽ गेलाह।
ओतहि राजद प्रशांत किशोरक संगठन जन सूरजक संबंधमे पत्र जारी कयने छल। ओहि पत्रमे राजद कार्यकर्ताकेँ चेतावनी देल गेल छल जे हुनका जन सुराजमे शामिल नहिं हेबाक चाही। कारवाई करबाक बात सेहो भेल। राजद केर चिट्ठीमे प्रशांत किशोरक संगठन भाजपाक बी टीम बतायल गेल छल। एहि पत्र पर बहुत राजनीति चलि रहल अछि। प्रशांत किशोर सेहो जवाबी कार्रवाई कयलथि, मुदा एकर बाद सेहो राजद दोसर पत्र जारी कयलक अछि। एहि पत्रमे राजद अपन किछु नेताकेँ बाहर निकलबाक रास्ता देखौलक। आरोप अछि जे ओ सभ नेता जन सूरजमे शामिल भऽ गेल छथि। राजद एहि पर अनुशासनात्मक कारवाई कयलक।