राजनीति

नीतीश कुमार एहेन कमजोर मुख्यमंत्री दुनियामे कियो नहिं : तेजस्वी यादव

पटना
*

विपक्षक नेता तेजस्वी यादव बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमारकेँ एकटा कार्यक्रममे इंजीनियरकेँ पैर छूबय आ हाथ जोड़य केर कोशिश करय लेल आलोचना कयलनि।

राजद नेता तेजस्वी यादव कहलनि जे पूरा दुनिया मे एतेक असहाय, अशक्त, अमान्य, अक्षम, विवश, बेबस, लाचार आ मजबूर कोनो मुख्यमंत्री नहिं होएत, जे बीडीओ, एसडीओ, एसएचओसँ लऽ कऽ वरिष्ठ अधिकारी आ एतय तक कि संवेदकक निजी कर्मचारीक सामने बात-बात पर हाथ जोड़ब आ पैर पड़बाक बात करैत होय।

ओ कहलनि जे बिहारमे बढ़ैत अपराध, व्यापक भ्रष्टाचार, पलायन आ प्रशासनिक अराजकताक मुख्य कारण ई अछि जे एकटा कर्मचारी सेहो मुख्यमंत्रीक बात नहिं सुनैत अछि। ओ किएक नहिं सुनैत अछि आ आदेशक पालन किएक नहिं करैत अछि ई विचार करबाक विषय अछि। मुदा, एहिमे कर्मचारी आ अधिकारीसभक बेसी दोष नहिं अछि। एकटा कमजोर, असहाय मुख्यमंत्रीक कारण बिहारमे हेबाक वैऽह अछि जे किछु सेवारत आ सेवानिवृत्त अधिकारी लोकनि ठनने अछि, किएक तँ अधिकारी लोकनि सेहो जनैत छथि जे ई ४३ सीटवाला तेसर नंबरक मुख्यमंत्री छथि।

तेजस्वी यादव कहलनि जे जखन शासनमे इकबाल समाप्त भऽ जाइत अछि आ शासकमे आत्मविश्वास नहिं रहय तखनि हुनका सिद्धान्त, विवेक आ विचारकेँ एक दिस कात राखि ऊपरसँ नीचा धरि एहिना बात-बात पर पैर पड़य पड़ैत छैक। हमरा कुर्सीक नहिं बल्कि बिहार आ १४ करोड़ बिहारीक वर्तमान आ भविष्यक चिंता अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *