खेल

जीतसँ बस एक डेग दूर भारत, फाइनलमे भारतक सामना आइ दक्षिण अफ्रीकासँ

नई दिल्ली
*

वेस्ट इंडीज आ अमेरिका द्वारा सह-मेजबानी कयल जा रहल टी-२० विश्व कप २०२४, अन्त दिस बढ़ि रहल अछि। भारत आ दक्षिण अफ्रीकाक बीच टूर्नामेंटक अंतिम मैच आइ शनिकेँ बारबाडोसक केंसिंग्टन ओवलमे खेलल जायत। वर्तमान टूर्नामेंटमे एखन धरि दुनू टीम अपराजित रहल अछि। ओतहि दक्षिण अफ्रीका पहिल बेर आईसीसी टूर्नामेंटमे अंतिम मैच खेलबाक लेल तैयार अछि। सेमीफाइनलमे ओ अफगानिस्तानकेँ नौ विकेटसँ हरेलक अछि।

टी-२० क्रिकेटमे दक्षिण अफ्रीकासँ भारतक बढ़त रहल अछि। दुनूक बीच कुल २६ मैच खेलल गेल अछि। एहिमेसँ भारत १४टा आ दक्षिण अफ्रीका ११टा जीतल अछि, संगहि एकटा मैच अनिर्णायक रहल अछि। टी-२० विश्व कपमे सेहो भारत दक्षिण अफ्रीकापर हावी रहल अछि। दुनू टीम छओ बेर एक दोसराक सामना कऽ चुकल अछि, जाहिमे भारत चारिटा मैच जीतलक जखन कि दक्षिण अफ्रीका दूटा मैच जितलक। एहेन स्थितिमे भारत खिताबी मैचमे जीतक प्रबल दावेदार अछि।

फाइनल मैचक लेल दूनू टीमक संभावित प्लेइंग ११
भारत : रोहित शर्मा (कप्तान),विराट कोहली, ऋषभ पंत (विकेट कीपर), सूर्यकुमार यादव, शिवम दुबे/संजू सैमसन, हार्दिक पांड्या, रवींद्र जडेजा, अक्षर पटेल, अर्शदीप सिंह, कुलदीप यादव, जसप्रीत बुमराह।

दक्षिण अफ्रीका : क्विंटन डिकॉक (विकेटकीपर), रीजा हेंड्रिक्स, एडेन मार्करम, हेनरिक क्लासेन, डेविड मिलर, ट्रिस्टन स्टब्स, मार्को यानसेन, केशव महाराज, कागिसो रबाडा, एनरिक नोर्त्जे, तबरेज शम्सी।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *