विधि-व्यवस्था रंगदारी मामिलामे पूर्णिया अदालतसँ भेटल पप्पू यादवकेँ जमानत June 13, 2024 Maithil Punarjagran Prakash पूर्णियां * निर्दलीय सांसद पप्पू यादवकेँ रंगदारी मामिलामे बृहस्पति कऽ अदालत जमानत दऽ देलक। पप्पू यादव अपन ओकीलक संग पूर्णिया कोर्ट पहुँचलाह। जतय न्यायाधीश हुनका रंगदारी मामिलामे जमानत दऽ देलनि। संगहि पप्पू यादव कहलनि जे न्यायपालिका पर हुनका विश्वास अछि। ओ न्यायाधीशकेँ धन्यवाद देलनि आ कहलनि कि हम बहुत आहत छी। आइ धरि, ५७ वर्षक उम्रमे, हमरा एतेक चोट कहियो नहिं लागल छल। पप्पू यादव कहलनि जे एहन मानसिक यातना कहियो नहिं भेल छल। ओ व्यक्ति जकरासँ हम कहियो नहिं मिललौंह, हुनकर एकटा आवेदन पर थाना प्रभारीक मिलीभगतसँ हमरा खिलाफ मामिला दर्ज कयल गेल अछि। ई सब वरिष्ठ अधिकारीक आदेश पर भेल अछि। हम ई मामिला सुप्रीम कोर्ट तक लड़ब, मुदा भ्रष्टाचार खतम करब। एतेक धारा बिना कोनो मतलबक लगा देल गेल आ जबरदस्ती सीजीएम अदालतमे धारा ३८५ लगाओल गेल। ई बिल्कुल गलत अछि। निर्दलीय सांसद कहलनि जे थाना प्रभारीक कॉल डिटेल निकालल जाय, ओहि व्यक्तिक कॉल डिटेल सेहो निकालल जाय आ देखल जाय जे केकरा सभसँ बात भेल छल ? एहि षड्यंत्रक पाछू के अछि ? ओ मानहानिक दावा करैत सुप्रीम कोर्ट जाय केर बात कयलनि आ ऊपरसँ नीचा तक सभकेँ कठघरामे रखबाक बात कयलनि। जनतब जे पूर्णियाक फर्नीचर व्यवसायी राजा भगत पप्पू यादवक खिलाफ जबरन वसूलीक मामिला दर्ज करौने छलाह, जेकरा कारण पप्पू यादवकेँ लऽ कऽ पूर्णियाक राजनीतिक गलियारामे हलचल मचि गेल अछि। ओतहि पप्पू यादव एहि मामिला पर पहिनहिं बयान दऽ चुकल छथि। ओ जबरन वसूलीक आरोप केर निराधार बतओने छलाह। Spread the love