नोशकी स्टेशन हाउस अधिकारी असद मेंगल कहलनि, “एगारह मृतकमे सँ नौ गोटे पंजाबक छलाह।”
सूत्रक कहब अछि जे क्वेटा-ताफ्तान राजमार्ग पर नाकाबन्दीक दौरान बस नहिं रुकला पर बंदूकधारी सभ बस पर गोली चला देलक। एक दर्जनसँ बेसी बंदूकधारी कमसँ कम तीन दिससँ बस पर गोलीबारी कयलक, जकर बाद बस पलटि गेल।
घटनासँ परिचित एकटा सूत्र बतौलक, “बंदूकधारी यात्री सभमे सरकारी अधिकारीसभ, विशेष रूपसँ पंजाब प्रांतक अधिकारीसभक पहिचान कयलक आ ओकर हत्या कऽ देलक”। ई हमला साम्प्रदायिक नहिं बुझाइत अछि किएक तँ आन यात्रीसभकेँ निशाना नहि बनाओल गेल छल।”
घटनाक बाद सुरक्षा अधिकारी क्षेत्रकेँ घेरि लेने छथि आ तलाशी अभियान चलि रहल अछि।
प्रधानमंत्री शहबाज शरीफ आ बलूचिस्तानक मुख्यमंत्री मीर सरफराज बुगती सहित अन्य सरकारी अधिकारी एहि दुखद घटनाक निन्दा कयलनि अछि।