चुनाव

हमरे टा नहिं, अहूँक जीजा छथि अरुण भारती : गहिंकी मुस्कानक संग चिरागक तेजस्वीकेँ प्रतिउत्तर

हाजीपुर
*

चिराग पासवान लोकसभा चुनावमे जमुईसँ अपन बहनोई अरुण भारतीकेँ मैदानमे उतारने छथि आ पहिल बेर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी अपन गठबंधन उम्मीदवार अरुण भारतीक लेल वोट मांगि मिथिला क्षेत्रीय बिहारक जमुई शहरसँ अपन चुनावी यात्राक शुरुआत कयलनि।
लोकसभा चुनाव २०२४ मे बिहारक हाजीपुरमे दूटा युवा नेता तेजस्वी यादव आ चिराग पासवान आब आमने-सामने भऽ रहल छथि। जमुईमे तेजस्वी यादव चिराग पासवान पर हमला कयलनि आ चिराग पासवानक जीजा अरुण भारतीक पता पूछलखिन। अरुण भारती चिराग पासवानक पार्टीसँ चुनावमे अपन भाग्य आजमा रहल छथि। अरुण भारतीक सम्बन्धमे ई बात सामने आबि रहल अछि जे आखिर चिरागक बहनोई अरुण भारती कतय केर रहयवाला छथि। ओ सीधा चुनावी मैदानमे कूदि गेल छथि। आब एहि पर तेजस्वीक सवालक जवाब दैत चिराग पासवान कहलनि कि अरुण भारती मात्र हमर जीजा नहिं छथि, ओ तेजस्वी यादवक जीजा सेहो छथि आ हुनका अपन जीजाकेँ जानबाक चाही। जँ अहाँ नहिं जनैत छी तखनि बता दी जे लन्दनमे पढ़ाई कयलथि आ आब एतहि रहि रहल छथि।

प्रधानमंत्री मोदी अरुण भारतीक लेल वोट मांगैत चुनाव यात्रा शुरू कयलनि। बतबैत चली जे चिराग पासवान लोकसभा चुनावमे अपन कर्मभूमि जमुईसँ बहनोई अरुण भारतीकेँ मैदानमे उतारने छथि आ पहिल बेर प्रधानमंत्री नरेंद्र मोदी अपन गठबंधन उम्मीदवार अरुण भारतीक लेल वोट मांगि बिहारक जमुई शहरसँ चुनावी यात्राक शुरुआत कयलथि। एकर बाद कतेको विपक्षी नेता एनडीए गठबन्धन पर भाई-भतीजावादक आरोप लगाबय लागल छथि।

ओतहि चिराग पासवान विपक्ष पर हमला करैत पूरा विपक्षकेँ परिवारवादक पाठ पढ़ेलथि। ओ कहलनि, “केकरो उपनाम चाहे कतेक पैघ होय, ओहिसँ कोनो फर्क नहिं पड़ैत छैक, काबिलियत होयबाक चाही। २०१४ केर चुनावमे हमरा आ हमर पार्टी पर सेहो भाई-भतीजावादक आरोप लागल छल, तखन पहिल बेर मात्र ७०-७५ हजार वोटक अंतरसँ चुनाव जीतल छलहुँ, मुदा ५ सालमे जे काज भेल ओकर बड़का बदलाव आयल आ जमुई केर जनता अढ़ाई लाखसँ बेसी वोटसँ लोकसभा चुनावमे दोसर बेर हमरा जीतेलक। विपक्षमे बहुत रास दल अछि जकर परिवारक सदस्य चुनावी मैदानमे छथि आ चुनाव लड़ि रहल छथि। कौशल आ क्षमता होयबाक चाही, लोक स्वयं निर्णय कय लेत।”

चिराग पासवान हाजीपुरक पासवान नगर पहुँचल छलाह जतय किछु दिन पहिने महाशिवरात्रिक दिन एकटा युवककेँ जरि कऽ मृत्यु भऽ गेल छल। ओ हुनक परिवारसँ भेंट करए पहुँचल छलाह। मीडियाक सङ्ग एहि वार्तालापक क्रममे ओ सभ प्रश्नक उत्तर देलनि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *