देशक आम नागरिक मात्र मतदानक अधिकारी रहि गेल अछि।
वर्तमान स्थिति एहेन भेल अछि कि, आम नागरिक देशक मतदाता वर्ग मात्र, मतदान करबाक अधिकारी रहि गेल अछि। देशक आम मतदाता मात्र अप्पन मतदान करैत नेताकेँ कुर्सी धरि पहुँचएबाक माध्यम बनल अछि। ई के कहत कि, कोन राजनीतिक दल कोन उद्योगपतिक कृपासँ सत्ता धरि पहुँचल अछि ? बुझा त’ रहल अछि जे, तमाम तरहक पाबन्दी आ नियम कानून मात्र आम नागरिक लेल बनाओल गेल अछि। आम नागरिकक हर क्रिया कलाप पर सरकारी एजेंसीक नजैर रहैत छैक, मुदा राजनीतिक दलके कतेक चंदा किनका द्वारा प्राप्त भेल एहि सभक जानकारी प्राप्त करबाक अधिकारी आम नागरिक नहि अछि।
*