सतत नियमित तीन साल प्रकाशन पूर्ण कय २६ दिसम्बर २०२४ केँ ‘मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश (राष्ट्रीय मैथिली दैनिक)’ चारिम सालमे प्रवेश करय जा रहल अछि, जे प्रायः कोनो मैथिली अखबारक तीन साल सतत नियमित प्रकाशनक एकटा उपलब्धि अछि। आजुक प्रकाशनक संग ई अखबार नियमित प्रकाशनक तीन साल पूरा कयलक अछि आ काल्हि अर्थात २६ दिसंबर २०२४ केँ ई चारिम सालमे प्रवेश करत।
यद्यपि एहि अखबारक संचालनमे अनेकानेक मिथिलावासीक प्रत्यक्ष आ अप्रत्यक्ष रुपसँ हाथ अछि। विशेषतः ‘मिथिलाक्षर साक्षरता अभियान’क अनेक अभियानी कतेको प्रकारसँ एकर सफलता एवं निरंतरताक गति देबामे ई संकल्पित भऽ लागल छथि जे एकरा लक्ष्य धरि पहुँचाओल जाए, तें ओहि सभ गोटेकेँ एवं कोनो रुपसँ एकर सहयोगी रहल समस्त मिथिलावासीकेँ मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश टीम आभार ओ धन्यवाद प्रकट करैत अछि, तथापि टीमक किछु सतत सक्रिय भूमिकामे रहनिहार व्यक्तिकेँ ‘उत्कृष्ट सक्रिय प्रदर्शन सम्मान २०२४’ सँ सम्मानित करय केर घोषणा कयल गेल अछि, जाहिमे धर्मेन्द्र कुमार झा (प्रबंध संपादक), संजय कुमार झा (व्यवस्थापक), राकेश कुमार दास (डिजाइनर), कुन्दन आनंद झा (लेखा विभाग), शोभा झा (संपादन सहयोग), ओम प्रकाश (डिजाइनर), एस कर्ण (ऑपरेटर), प्रवीण कुमार झा (संपादन सहयोग), देवेन्द्र झा (पत्रकार), गणपति मिश्र (पत्रकार), सुभाष चन्द्र झा (पत्रकार), सीए श्याम कुमार, एडवोकेट कन्हैयाजी, कृष्ण कान्त झा (प्रसार), मनीष मिश्रा (वेबसाइट टीम प्रमुख), ठाकुर पर्थ (ऑपरेटर वेबसाइट) प्रमुख छथि।
ज्ञातव्य जे पुनर्जागरणक क्रममे मिथिला-मैथिलीक अनेक उपक्रम ‘मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश फोरम’क माध्यमसँ संचालनक प्रक्रियामे अछि। एही क्रममे एकटा उपक्रम ‘पुनर्जागरण शिक्षण-प्रशिक्षण संस्थान’ निःशुल्क शुरू होबय जा रहल अछि, जाहिमे शुरुआतमे टाइपिंग (देवनागरी), बेसिक काॅम्पुटरक कोर्स कराओल जाएत, संगहि मैथिली पत्रकारिता, पोथी प्रकाशन, रोजगार सृजन एवं सहकारिता आदि एकर आर किछु शुरुआतक क्रमशः बिन्दु रहत।
ई एकटा शक्तियुक्त इकाई रहत
‘मैथिल पुनर्जागरण प्रकाश फोरम’क, फलतः प्रायः ई सेवा कार्यक अंगक रुपमे निःशुल्क रहत, एकर लाभ लेबय लेल प्रथमतः मधुबनी आ आसपासक लाभार्थी एहि What’s app 7480018873 पर संदेश छोड़ि सकैत छी। क्रमशः एहि सभ सेवाक विस्तार सभ जिलामे होएत। शिक्षण-प्रशिक्षणक टाइपिंग आ बेसिक काॅम्पुटर कोर्सक प्रथम बैच प्रायः १६ जनवरीसँ निर्धारित सिमित गोटेसँ शुरु होएत, फलतः एहि लेल देल गेल नंबर पर रजिस्ट्रेशन आदिक प्रक्रिया ज्ञात करय लेल संदेश छोड़ि सकैत छी।
संगहि एहि मैथिली अखबारक विस्तारसँ संबंधित सेहो शुभ समाचार अछि।