शिक्षा

मधुबनीक अनुराग दोसर प्रयासमे बनल यूपीएससी टॉपर

मधुबनी समदिया
*

संघ लोक सेवा आयोग (यूपीएससी) शुक्रदिन भारतीय आर्थिक सेवा (आईईएस) परीक्षाक परिणाम घोषित कयलक। एहिमे बोकारोक होनहार अनुराग गौतम पूरा देशमे शीर्ष स्थान प्राप्त कयलनि अछि। अनुराग एआईआर पहिल स्थान पर रहलाह। ओ बोकारोकेँ गौरवान्वित केलखिन। जनतब अछि जे अनुराग गौतम मूल रूपसँ मधुबनी जिलाक राजनगर प्रखण्डक सिमरी गामक निवासी छथि।

अनुराग गौतम डीपीएस बोकारोक सेक्टर-4 के 2012 बैचक छात्र छथि। हुनकर पिता अनुपम कुमार बोकारो इस्पात संयंत्रमे अधिकारी छथि, जखन कि हुनकर माता कुमारी संगीता गृहिणी छथि। ओकर बाद ओ प्रतिष्ठित आईआईटी खड़गपुरसँ अर्थशास्त्रमे बीएससी आ एमएससीक डिग्री पूरा कयलनि।

अनुरागक पिता अनुपम कुमार कहलनि जे अनुराग बचपनसँ अध्ययनमे बहुत प्रतिभाशाली रहल छथि। ओ एनटीएसई आ केवीपीवाई सन प्रतिष्ठित प्रतियोगी परीक्षामे सेहो सफल रहल छथि। बचपनसँ हुनका भारतीय आर्थिक सेवाक अधिकारी बनबाक सपना छलनि। अनुरागकेँ अपन पहिल प्रयासमे असफलताक सामना करय पड़लनि, मुदा ओ हार नहि मानलनि आ दिन-राति कठिन परिश्रम कयलाक बाद ओ देशमे प्रथम स्थान प्राप्त करबाक अपन लक्ष्य प्राप्त कयलनि।

अनुरागक सफलतापर प्रसन्नता व्यक्त करैत हुनक पिता अनुपम कुमार कहलनि, “हमरा अपन बेटापर गर्व अछि आ कामना अछि जे आगू भविष्यमे हुनका आर सफलता भेटत। संगहि डीपीएस बोकारो केर प्रधानाचार्य गंगवार अनुरागकेँ सेहो बधाई दैत कहलनि, “ई उपलब्धि मात्र हुनक परिवारक लेल नहि अपितु सम्पूर्ण राज्यक लेल गर्वक विषय अछि। ई सफलता एहि बातक प्रमाण अछि जे जँ कोनो लगन आ मेहनतसँ कोनो लक्ष्य दिसि बढ़ैत अछि तखनि कोनो पैघ चुनौती नहि अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *