बाजार-व्यापार

आब व्यवसायी बिहारमे निवेश करय लेल छथि तैयार : मंत्री नीतीश मिश्रा

पटना
*

मंत्री नीतीश मिश्र कहलनि जे आइ विभिन्न क्षेत्रक लोक एहि कार्यक्रममे पहुँचल छथि आ एकर सकारात्मक परिणाम देखबामे आबि रहल अछि। सभ गोटे निवेश करबाक इच्छा व्यक्त कए रहल छथि।

बिहार बिजनेस कनेक्ट 2024 केर संबंधमे पटनामे उद्योग विभाग द्वारा एकटा पैघ तैयारी कयल गेल अछि। एहि दू दिवसीय कार्यक्रमक पहिल दिन देशक छोट-पैघ उद्योगपति एहि बिजनेस कनेक्ट पर पहुँचल छथि। एकर संगहि स्टार्ट-अप व्यवसायी सेहो एहि बिहार बिजनेस कनेक्टमे शामिल भऽ गेल छथि। बिहारक मंत्री नीतीश मिश्रा कहलनि, “हम एहि बिजनेस कनेक्ट प्रोग्रामक तहत बिहारक नव रूपकेँ देश आ दुनियाक सामने आनि रहल छी। मंत्री नीतीश मिश्रा कहलनि, बिहारक बुनियादी ढाँचामे सुधार भेल अछि। हमर नीति नीक अछि आ आब व्यापारी बिहारमे निवेश करय लेल तैयार छथि। हम ई संदेश देबाक कोशिश कए रहल छी. ई बिहार बिजनेस कनेक्ट ओहि लोकक लेल अछि जिनका बिहारक बारेमे धारणा छल जे बिहारमे किछु नहि अछि। हम हुनका सभसँ संपर्क कए रहल छी जे बिहार आब बदलि गेल अछि। बिहारक भौगोलिक स्थिति, बिहारक बजारक आकार स्वयं बहुत रास संभावना देखबैत अछि।

एकटा प्रश्नक उत्तर दैत मंत्री कहलनि जे एहि आयोजनमे विभिन्न क्षेत्रक लोक भाग लेने छथि आ एकर सकारात्मक परिणाम देखबामे आबि रहल अछि। सभ गोटे निवेश करबाक इच्छा व्यक्त कए रहल छथि। जखनि दू दिवसीय आयोजन समाप्त होयत तखनि हमरासभ द्वारा प्रत्येक जानकारी सभ लोकक बीच साझा कयल जायत।

जखनि नीतीश मिश्रासँ पूछल गेल जे पछिला साल एहि बिजनेस कनेक्टमे हस्ताक्षरित एमओयू केर की स्थिति अछि ? एहि पर ओ कहलनि जे एमओयूक ७६% कन्वर्जन भऽ गेल छल। सब एमओयू प्रक्रिया पूरा भए गेल छल। निवेशकसभक लेल जे किछु आवश्यकता छल, जेना जमीन इन्वेस्टर्स सभकें दऽ देल गेल अछि। निस्सन्देह, हम एखनि धरि बिहारमे निवेश कयनिहार लोकक लेल लगातार निगरानी कऽ रहल छी। जतेक जरूरत अछि, पूरा भए रहल अछि। जाहिसँ बिहारमे निवेशककेँ कोनो समस्याक सामना नहि करय पड़य।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *