प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी आइ १३ दिसम्बरकेँ उत्तर प्रदेशक दौरा करताह। ओ प्रयागराज जयताह आ लगभग १२:१५ बजे संगम नोज पर पूजा आ दर्शन करताह। प्रधानमंत्री मोदी लगभग १२:४० बजे अक्षय वट गाछक पूजा करताह।
पूजाक बाद प्रधानमंत्री मोदी हनुमान मंदिर आ सरस्वती कूपक दर्शन करताह। लगभग १:३० बजे ओ महाकुम्भ प्रदर्शनी स्थलक भ्रमण करताह। लगभग २ बजे ओ प्रयागराजमे ६,६७० करोड़ टाकासँ बेसीक कतेको विकास परियोजनाक उद्घाटन आ शुभारम्भ करताह।
प्रधानमंत्री मोदी महाकुंभ २०२५ लेल विभिन्न परियोजनाक उद्घाटन करताह। एहिमे विभिन्न सड़क परियोजना जेना १० टा नव रोड ओवर ब्रिज (आरओबी) या फ्लाईओवर, स्थायी घाट आ रिवरफ्रंट सड़क शामिल होयत जाहिसँ बुनियादी ढाँचाकेँ बढ़ावा भेटत आ प्रयागराजमे निर्बाध कनेक्टिविटी प्रदान कयल जा सकत।
ओतहि स्वच्छ आ निर्मल गंगाक अपन प्रतिबद्धताक अनुरूप, प्रधानमंत्री मोदी गंगा नदी दिसि जायवला छोट-छोट नालाक अवरोधन, दोहन, डाइवर्सन आ शोधन संयंत्रक उद्घाटन सेहो करताह, जे नदीमे अनुपचारित जलक शून्य निर्वहनकेँ सुनिश्चित करत। ओ पेयजल आ बिजलीसँ जुड़ल विभिन्न बुनियादी ढाँचा परियोजनाक उद्घाटन सेहो करताह।
प्रधानमंत्री मोदी प्रमुख मन्दिर गलियाराक उद्घाटन करताह जाहिमे भारद्वाज आश्रम गलियारा, श्रृंगवेरपुर धाम गलियारा सम्मिलित अछि। ई परियोजना भक्तलोकनिक पहुँचमे आसानी सुनिश्चित करत, आ आध्यात्मिक पर्यटनकेँ सेहो बढ़ावा देत।
प्रधानमंत्री मोदी कुम्भ सहायक चैटबॉटक सेहो शुभारंभ करताह जे महाकुंभ मेला २०२५ पर भक्तलोकनिकेँ कोना अद्यतन कयल जाय ताहि पर विस्तृत जानकारी देत।
एहिसँ पहिने प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी २० अक्टूबरकेँ अपन संसदीय क्षेत्र वाराणसीक दौरा कयलनि। एतय ओ ६१,००० करोड़ टाकाक परियोजना शुरू कयलनि। एकर अतिरिक्त ओ ९० करोड़ टाकाक लागतसँ बनल नेत्र चिकित्सालयक उद्घाटन सेहो कयने छलाह।