कांग्रेस सांसद प्रियंका गांधी वाड्रा मंगल दिन आरोप लगओलनि जे सरकार अडाणी मुद्दा पर चर्चा करबासँ डरैत रहबाक कारणे रणनीतिक अंतर्गत लोकसभाकेँ काज नहि चलय दऽ रहल अछि।
ओ इहो कहलनि जे सत्तारूढ़ दल कांग्रेस नेतृत्वपर जॉर्ज सोरोसक सङ्ग सम्बन्धक आरोप लगा रहल अछि ताकि व्यापारीक समूह अडाणीसँ जुड़ल मुख्य मुद्दासँ ध्यान हटाओल जा सकय।
सदनक कार्यवाही दिन भरि लेल स्थगित भेलाक बाद प्रियंका गांधी संवाददाता सभसँ कहलनि, “या तऽ सरकार सदन नहि चलाबय चाहैत अछि अथवा ओ सदन नहि चला पाबि रहल अछि। हमर विरोध भोर १०:३० बजेसँ ११ बजे धरि रहैत अछि आ तखनि हम काजक लेल सदनक भीतर जाइत छी, मुदा काज नहि भऽ रहल अछि।”
कांग्रेस महासचिव कहलनि, “जहिना हम बैसैत छी, ओ सभ सदन स्थगित करबाक लेल किछु शुरू करैत छथि। हमरा लगैत अछि जे ई हुनकर रणनीति अछि, ओ चर्चा नहि चाहैत छथि।”
ओ दावा कयलनि जे सरकार अडाणी मुद्दापर चर्चा करबासँ डरैत अछि किएक तँ ओ जनैत अछि जे सभ मुद्दा खुलि कऽ सामने आबि जायत।
प्रियंका गाँधी जोर देलनि जे अमेरिकामे हुनका पर लगाओल गेल आरोपक परिप्रेक्ष्यमे अडाणी मुद्दा उठायब आवश्यक छल। ओ आरोप लगौलनि कि, “अमेरिकामे कहल गेल अछि जे ओ (अडानी) लोकक बिजलीक बिल बढ़ेबाक लेल आ मुनाफा कमाबय लेल करोड़ो रुपयाक घूस देने छथि।”
विपक्षी नेतासभ द्वारा जॉर्ज सोरोसक सङ्ग मिलीभगत करबाक भाजपाक आरोपपर प्रियंका गाँधी कहलनि, “हमरा लगैत अछि जे ई सबसँ हास्यास्पद बात अछि जे ओ कहि सकैत छथि। केकरो लग ओकर रिकॉर्ड नहि अछि। कियो नहि जनैत अछि जे ओ की बात कए रहल छथि।”
ओ कहलनि जे एकमात्र कारण जे ओ एना कऽ रहल छथि ओ अडाणीक विषयमे चर्चा नहि करय चाहैत छथि।
हुनकर टिप्पणी संसदीय कार्य मंत्री किरेन रिजिजू द्वारा कांग्रेस आ ओकर नेतृत्व पर अमेरिकी अरबपति जॉर्ज सोरोस आ भारत-विरोधी ताकतक सङ्ग मिलीभगत करबाक आरोप लगयलाक बाद आयल अछि, जाहिसँ लोकसभामे हंगामा भेल आ दिनभरि लेल स्थगित भऽ गेल।
शून्यकालमे रिजिजू कांग्रेस नेतापर आरोप लगओलनि जे ओ सदनमे मास्क आ कार्टून जैकेट पहिरबाक लेल संसदक गरिमापर हमलाक आरोप लगौलनि। जहिना रिजिजू ई कहलनि विपक्षी सदस्य सदनक बीचोबीच आबि गेलाह।
मंत्री कहलनि जे कांग्रेसक नेता लोकनि द्वारा संसदक व्यवधान सदनक अन्य सदस्यसभकेँ अपन निर्वाचन क्षेत्रसँ सम्बन्धित मुद्दा उठयबासँ वंचित कऽ रहल अछि।