राजनीति

ममता बनर्जीक इंडिया गठबन्धनक नेतृत्व करबाक समर्थन कयलनि लालू यादव

पटना
*

पश्चिम बंगालक मुख्यमंत्री ममता बनर्जीक विपक्षी दलक गठबन्धनक नेतृत्व करबाक बयानसँ राजनीतिक पारा बढ़ि गेल अछि। सत्तारूढ़ दलसँ लऽ कऽ विपक्ष धरि नेता एहि बयानबाजीमे शामिल भऽ गेल छथि। एम्हर राजद प्रमुख आ पूर्व केन्द्रीय मंत्री लालू यादव सेहो ममता बनर्जीक समर्थनमे सामने आयल छथि।

लालू प्रसाद यादव मंगल दिन पटनामे संवाददाता सबसँ बातचीत कए रहल छलाह। जखनि संवाददाता लोकनि हुनका मुख्यमंत्री ममता बनर्जीक बयानक विषयमे पूछलनि तँ ओ कहलनि, “इंडिया गठबन्धनक नेतृत्व ममता बनर्जीकेँ देल जेबाक चाही, हम सहमत छी।”

कांग्रेसक आपत्तिसँ जुड़ल सवाल पर लालू कहलनि, “कांग्रेसक आपत्तिसँ किछु नहिं होएत, ममता बनर्जीकेँ दऽ देबय केर चाही।”

ममता बनर्जी विपक्षी ‘इंडिया’ गठबंधनक कार्यप्रणाली पर असंतोष व्यक्त कयने छलीह आ अवसर भेटला पर एकर बागडोर सम्हारबाक अपन इरादाक संकेत देने छलीह।

तृणमूल कांग्रेस (टीएमसी) प्रमुख कहने छलीह जे पश्चिम बंगालक मुख्यमंत्रीक रूपमे अपन भूमिका जारी रखैत ओ विपक्षी मोर्चाक नेतृत्वक सङ्ग दोहरी जिम्मेदारी ग्रहण करबामे सक्षम होयतीह।

एम्हर बिहारक मुख्यमंत्री नीतीश कुमार कोनो चुनावसँ पहिने राज्यक दौरा करैत आबि रहल छथि। बिहारमे अगिला साल विधानसभा चुनाव हेबाक अछि। ओहिसँ पहिने, ओ महिला संवाद यात्रापर जयबाक लेल जा रहल छथि। नेता प्रतिपक्ष तेजस्वी यादव हुनका पर सरकारी खर्च पर यात्रा करबाक आरोप लगओलनि अछि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *