शिक्षा

७०म सिविल सेवा परीक्षाक बारेमे भ्रामक जानकारी देबय वालाक खिलाफ दर्ज होएत एफआईआर : बीपीएससी

पटना
*

बिहार लोक सेवा आयोग ७०म सिविल सेवा परीक्षाक बारेमे भ्रम पसारयवालाक खिलाफ सख्त कारवाईक चेतौनी देलक अछि। बीपीएससीक कहब अछि जे जँ कियो भ्रामक सूचना पसारत तँ ओकरा पर पुलिसमे मामिला दर्ज कयल जायत आ ओकरा आजीवन बीपीएससी परीक्षासँ सेहो प्रतिबंधित कयल जा सकैत अछि।

बिहार लोक सेवा आयोग (बीपीएससी) १३ दिसंबरकेँ होबय वाला आगामी ७०म सिविल सेवा परीक्षाक संबंधमे तस्वीर साफ कऽ देलक अछि। आयोग द्वारा एहि संबंधमे नोटिस सेहो जारी कयल गेल अछि। सोमदिन बीपीएससीक परीक्षा नियंत्रक द्वारा एकटा बयान जारी कयल गेल अछि। बयानमे कहल गेल अछि कि १३ दिसंबर (शुक्रवार) केँ होबयवला एकीकृत ७०म संयुक्त प्रतियोगी परीक्षाक प्रवेश पत्रक संबंधमे विभिन्न सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म पर फर्जी जानकारी पसारल जा रहल अछि।

बीपीएससीक परीक्षा नियंत्रक द्वारा जारी एकटा वक्तव्यमे कहल गेल अछि जे ६ दिसम्बर २०२४ कऽ प्रवेश पत्रपर जारी होबयवाला सूचना फर्जी अछि। एहि संबंधमे आयोग परीक्षासँ जुड़ल अभ्यर्थीकेँ सूचित करैत अछि कि जे फर्जी जानकारी पसारल जा रहल अछि ओ आयोगक स्तरसँ प्रकाशित नहिं कयल गेल अछि। एहिमे उल्लिखित सभ बात बिल्कुल निराधार अछि। एकरा तत्काल प्रभावसँ अमान्य घोषित कएल जाइत अछि। संगहि एडमिट कार्ड फेरसँ जारी कएल जाएत।

परीक्षा नियंत्रक द्वारा जारी एकटा वक्तव्यमे कहल गेल अछि जे एहेन सूचना प्रकाशित आ प्रसारित करयवला लोकक विरुद्ध प्राथमिकी दर्ज कयल जा रहल अछि। संगहि एहेन लोकक पहिचान करबा कय आयोग द्वारा आयोजित परीक्षासँ आजीवन प्रतिबन्ध लगाबय लेल सेहो कारवाई कयल जा रहल अछि। वक्तव्यमे कहल गेल अछि जे आयोग अपन आधिकारिक वेबसाइटक माध्यमसँ कोनो जानकारी प्रकाशित करैत अछि, तैयो उम्मीदवार भ्रमित भऽ जाइत छथि आ आयोगक वेबसाइट पर जाँच कयने बिना कोनो फर्जी जानकारी ग्रहण करैत छथि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *