बिहारमे ठंढा अपन रूप देखाबय लागल अछि। आइ सोम ९ दिसंबरसँ बिहारक मौसममे बदलावक संभावना अछि। बिहारमे शीतलहरक बीच मौसम बदलि जायत। एहेन स्थितिमे मौसम विभागक पूर्वानुमानक अनुसार दिनक तापमानमे ३-४ डिग्री सेल्सियसक कमी देखल जा सकैत अछि, जखनि कि रातिक तापमानमे वृद्धि भऽ सकैत अछि। मुदा, अगिला २४ घंटामे न्यूनतम तापमानमे १-३ डिग्रीक गिरावट आबि सकैत अछि।
एहेन स्थितिमे बुजुर्ग आ बच्चाक विशेष देखभाल करय केर जरूरत अछि। बिहारक राजधानी पटना सहित लगभग सभ जिलामे सर्द पछुआ हवाक ठंढ़ा पारा तेजीसँ खसि पड़ल। रवि दिन दुपहरमे कंकनीक अहसास होबय लागल। रौद छल, मुदा एहिमे ओहेन गर्मी नहि छल जकर लोक आशा कऽ रहल छल। बाहर ठंढ़ा हवा छल, तेँ कोठरीक भीतरक तापमान सेहो ठंढा छल।
ओतहि पटना मौसम विज्ञान केंद्र एकटा नव चेतावनी जारी कयलक अछि। पटना मौसम विज्ञान केंद्र किसान भाईक लेल विशेष सलाह देलक अछि। हुनका सभकेँ सलाह देल गेल अछि जे काटल फसिलकेँ सुरक्षित स्थानपर रखबाक व्यवस्था करू जाहिसँ फसिलकेँ पानि/नमीसँ बचायल जा सकय।
पटना मौसम विज्ञान केन्द्रक अनुसार, भारतीय मौसम विज्ञान विभागक संख्यात्मक मॉडलक विश्लेषणक अनुसार, ९ दिसंबरसँ पश्चिमी विक्षोभ उत्तर-पश्चिम भारतकेँ प्रभावित करबाक सम्भावना अछि। संगहि, पूर्वोत्तर असममे एकटा चक्रवाती परिसंचरण बनल अछि जकर औसत ऊँचाई समुद्र तलसँ ३.१ किमी अछि।एहि अवधिमे निचला वायुमण्डलमे पूर्वी आ पश्चिमी हवाक संयोजनक कारणेँ बिहार राज्यक मौसम बदलबाक सम्भावना अछि। एकर परिणामस्वरूप एहि अवधिमे राज्यक अधिकांश भागमे एक-दू ठाम हल्लुकसँ मध्यम बरखा होयबाक सम्भावना अछि।