प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी सशस्त्र सेना झंडा दिवस पर भारतीय सैनिकक बहादुरी आ बलिदानकेँ नमन कयलनि।
ओ एक्स पर लिखलनि, “सशस्त्र सेना झण्डा दिवस हमर साहसी सैनिकसभक वीरता, दृढ़ संकल्प आ बलिदानकेँ सलाम करबाक लेल अछि। हुनकर बहादुरी हमरा सभकेँ प्रेरणा दैत अछि, हुनक बलिदान हमरा सभकेँ विनम्र करैत अछि आ हुनक समर्पण हमरा सभकेँ सुरक्षित रखैत अछि। आउ सशस्त्र सेना झण्डा दिवस कोषमे सेहो योगदान देल जाय।”
एहि अवसर पर केन्द्रीय रक्षा मंत्री राजनाथ सिंह सशस्त्र सेना झंडा दिवसकेँ बधाई देलनि। राजनाथ सिंह कहलनि, “एहि अवसर पर हम सब सेवारत, सेवानिवृत्त सैनिक आ हुनक परिवारकेँ नमन करैत छी। ई दिन अपन वीर सैनिक आ पूर्व सैनिकक अदम्य साहस, त्याग आ समर्पणकेँ पहिचानबाक अवसर अछि। हमर सशस्त्र बल हमरा सभक लेल एकटा मजबूत सुरक्षा ढाल अछि, जे हर परिस्थितिमे हमरासभक रक्षा करबाक लेल तैयार रहैत अछि। हमर सेना मात्र बाहरी आक्रमणसँ नहि अपितु प्राकृतिक आपदाक समयमे सेहो हमरासभक रक्षा करबाक लेल तैयार रहैत अछि। हुनक त्याग आ अनुशासन प्रत्येक देशवासीक लेल प्रेरणाक स्रोत अछि।
कांग्रेसक राष्ट्रीय अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खड़गे सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म एक्स पर एकटा पोस्टमे कहलनि, “सशस्त्र सेना झण्डा दिवस अपन वीर सैनिकसभक असाधारण साहस, वीरता, धैर्य आ अपन देशक प्रति निस्वार्थ सेवाक लेल अपन सच्चा आभार व्यक्त करबाक एकटा महत्वपूर्ण अवसर अछि। भारतीय राष्ट्रीय कांग्रेसक तरफसँ हम अपन सभ साथी नागरिकसँ सशस्त्र सेना झण्डा दिवस कोषमे योगदान देबाक अपील करैत छी। ई स्वैच्छिक दान हमर दिग्गज, युद्धक पूर्व सैनिक आ राष्ट्रक लेल सर्वोच्च बलिदान देनिहार परिवारक लेल एकजुटता आ समर्थनक प्रतीक होयत।”
सशस्त्र सेना दिवस प्रत्येक वर्ष ७ दिसम्बरकेँ मनाओल जाइत अछि। ई दिन भारतीय सशस्त्र सेनाक योगदानकेँ सम्मानित करबाक लेल समर्पित अछि। ई दिन सशस्त्र सेना आ हुनक परिवारक कल्याणक लेल मनाओल जाइत अछि। ई दिन सभ नागरिकक लेल भारतक सम्प्रभुता आ अखण्डताक रक्षा करयवला सैनिक, नाविक आ वायुसैनिक द्वारा देल गेल बलिदानक प्रति आभार व्यक्त करबाक अवसर अछि।