रोजगार

सफाई कर्मी सभक अनिश्चितकालीन हड़ताल काल्हि नवम दिन सेहो जारी रहल

बेनीपुर समदिया
*

नगर परिषदक सफाई कर्मी सबहक अनिश्चितकालीन हड़ताल काल्हि नवम दिन सेहो जारी रहल। सफाई कर्मी सबहक समस्या केर समाधान लेल नगर परिषद बोर्डक आपात बैठक आयोजित कयल गेल मुदा बोर्डक निर्णयमे त्रुटि बताबैत सफाई कर्मी सभ अपन हड़ताल जारी राखबाक घोषणा कयलन्हि।

ज्ञातव्य अछि जे नगर परिषद क्षेत्रक सफाई कर्मी द्वारा वर्तमान एन जी ओ कें कार्य मुक्त करबाक , ईपीएफ केर राशि खातामे जमा करबाक , सफाई कीट उपलब्ध करेबाक संग – संग पारिवारिक सुरक्षा केर गारंटीक मांगकेँ लऽकय सफाई कर्मी सबहक हड़ताल पछिला 27 नवंबरसँ जारी अछि। एमहर नगर प्रशासन आ नगर परिषदक पार्षद द्वारा सफाई कर्मी सबहक हड़ताल समाप्त करेबाक दिशामे कोनो पहल होइत नहि देखा रहल अछि। हालांकि बितलाहा मंगलक भोरमे बहेड़ा थाना पुलिसक सहयोगसँ सफाई केर वैकल्पिक व्यवस्था करबाक प्रयास कयल गेल मुदा सफाई कर्मीक विरोधक कारणे वैकल्पिक व्यवस्था नहि भऽ पायल। अंततः नगर प्रशासन आ पार्षदक सलाह मशविरासँ आइ बोर्डक आपात बैसार बजाओल गेल।

बैसारक प्रारंभिक चरणमे सफाई कर्मी सभ बैसारकेँ नहि चलय देमय चाहलनि। अपन आंदोलनकेँ उग्र करैत सफाई कर्मी सभ नगर परिषद कार्यालयक मुख्य द्वार केर कचरासँ पाटि देलक। मरल कुकुर केर टांइग कय आक्रोशपूर्ण प्रदर्शन कयलन्हि ।

बहेड़ा थाना पुलिसक सक्रियताक बाद बोर्डक आपात बैसार तऽ भेल मुदा बोर्डक निर्णयसँ असंतुष्ट सफाई कर्मी सभ अपन हड़ताल जारी राखैत आंदोलन के आर तेज करबाक निर्णय लेलन्हि । एहि संबंधमे नगर परिषदक प्रभारी कार्यपालक पदाधिकारी जय कुमार बतेलनि जे सफाई कर्मी सबहक हितमे सभ फैसला लेल गेल अछि । हड़ताली कर्मचारीक ईपीएफ राशि सेहो खातामे जमा कऽ देल जेतै आ सभ सुविधा हर संभव बहाल कऽ देल जेतै। जय कुमार आगु कहलनि जे सरकारक निर्देशानुसार पुरने एनजीओसँ ११ महीनाधरि आर काज लेल जायत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *