बिहार सरकार साल २०२५ लेल कुल ७२ छुट्टी वाला स्कूलक कैलेंडर जारी कयलक अछि। शिक्षकसभकेँ ठ़ंढ़ी-गर्मी सबहक छुट्टी सेहो भेटत।
एहि कड़ीमे शिक्षा विभागक अपर मुख्य सचिव केएस सिद्धार्थ बुध दिन कतेको पैघ घोषणा कयलथि अछि। एहिमे बहुत रास महत्वपूर्ण घोषणा शामिल अछि जकर माँग स्कूलक शिक्षक बहुत दिनसँ करैत आबि रहल छलथि। स्कूल कैलेंडर जारी करैत अपर मुख्य सचिव शिक्षकक स्थानांतरण पोस्टिंगसँ जुड़ल महत्वपूर्ण जानकारी सेहो देलखिन आ फर्जी शिक्षकक खिलाफ पैघ कारवाईक निर्देश सेहो जारी केलखिन।
स्कूलक कैलेंडर जारी करैत एस सिद्धार्थ कहलनि जे स्थानान्तरण नीतिक लेल आवेदन करयवला सभ शिक्षककेँ हुनकर सभक नजदीकी स्कूलमे पोस्टिंग करयबाक भरसक प्रयास कयल जाएत।
एस सिद्धार्थ शिक्षकक वेतनमे कटौती पर कहलखिन, जे जिनका इ शिकायत अछि। हम एकटा प्राधिकरण बनाबए जा रहल छी। ओ प्राधिकरण हुनकर शिकायत सुनत आ शिक्षा विभाग ओहि प्राधिकरणक आदेशकेँ लागू करत। एहि लेल कोनो शिक्षककेँ घबराए केर जरूरत नहि अछि।
एस सिद्धार्थ इहो घोषणा कयलनि जे जालसाजीक सम्बन्धमे एकटा पैघ डेग उठाओल गेल अछि। आब शिक्षकक लेल ई-डिजिटल शिक्षा पुस्तक बनाओल जायत जाहिमे शिक्षकक सब किछु डिजिटल होयत। एहिमे हुनकर नाम आ पताक संग हुनकर पूरा विवरण होयत। ताहि लेल जँ शिक्षकक बारे मे कहियो सूचना भेटत जे ओ नकली छथि तखन २ मिनटमे ओकर पूरा जांच भऽ जायत। एहेन नहि हेबाक चाही जे ओकर प्रमाणपत्र नहि भेटल। छुट्टी कैलेंडरक विमोचन पर ओ कहलखिन कि हम सब शिक्षकक समस्याकेँ ध्यान रखलहुँ, कारण लगातार शिकायत छल जे हम कतहु नहि जा पाबि रहल छी। ताहि लेल जाड़क छुट्टी सेहो देल गेल अछि आ सभ धर्मक मुख्य पाबनिकेँ छुट्टी देल गेल अछि। संगहि ओ इहो कहलखिन कि गर्मीक छुट्टी सेहो देल गेल अछि। ओ आगू कहलखिन जे हम शिक्षकक हर समस्याक समाधान कए रहल छी। हुनकासँ हमर एकमात्र आग्रह अछि जे ओ मात्र बच्चासभकेँ पढ़ाबैथ, शिक्षा विभाग हुनकर सभ समस्याक समाधान करबाक लेल तत्पर अछि। बिहार सरकार साल २०२५ लेल कुल ७२ छुट्टीक सङ्ग स्कूल कैलेंडर जारी कयलक अछि।