राजनीति

वित्तमंत्रीक दौरा मिथिलावासीकेँ हतोत्साहिते कयलक : प्रो. शीतलांबर झा (पूर्व जिलाध्यक्ष कांग्रेस)

मधुबनी समदिया
*

कांग्रेसक पूर्व जिला अध्यक्ष-राज्य प्रतिनिधि प्रो. शीतलाम्बर झा एकटा प्रेस विज्ञप्तिमे कहलनि जे २९ आ ३० नवम्बरकेँ देशक वित्त मंत्री निर्मला सीतारमण मिथिलाक हृदयस्थली दरभंगा आ मधुबनीक दौरा कयलनि आ हुनकर बहुत रास कार्यक्रम निर्धारित छल, जाहिमे मुख्य रूपसँ दुनू जिलाक लोककेँ विभिन्न बैंकक ऋण वितरित कयल गेल।

प्रो झा कहलनि जे देशक वित्त मंत्रीक मधुबनी आ दरभंगा आबय केर समाचार अखबारमे जखनि देखल गेल तखनि मिथिलावासी बहुत प्रसन्न छलाह जे देश आ राज्यक पिछड़ल जिलाकेँ बहुत लाभ होयत, ओना, मिथिला आतिथ्य सत्कारक लेल सदासँ प्रसिद्ध अछि, जे राजगक नेता लोकनि द्वारा हुनका कयल गेल।

प्रो झा दुख व्यक्त करैत कहलनि जे जखनि मात्र बैंकक ऋणे वितरित भेल आ मिथिलाक पैघ समस्याक उल्लेख नहि भेल, तखनि निराशा भेल, यद्यपि मोदी सरकार मात्र ऋण पर चलि रहल अछि, २०१४ धरि देश पर ऋण मात्र ५५ लाख करोड़ रुपया छल, जे पिछला दस सालमे बढ़ि कए २०० लाख करोड़ रुपयासँ बेसी भऽ गेल अछि।

दरभंगा आ मधुबनीक पढ़ल-लिखल लोककेँ कर्जक मकड़जालमे फँसा कऽ वित्त मंत्री कोनो बड़का काज नहि केलखिन बल्कि हुनकर जिनगीकेँ आउर दयनीय बना देलखिन।

प्रो झा कहलनि जे पढ़ल-लिखल लोककेँ कर्जक जालमे लऽ जयबाक श्रेय लेबाक लेल एनडीए नेता लोकनिक बीच बहुत प्रतिस्पर्धा अछि, मिथिला, विशेष रूपसँ मधुबनी, दरभंगाक प्रमुख समस्या – पलायन, बाढ़ आ सुखार पर एहि नेता लोकनिक ध्यान नहि गेल।

प्रो झा कहलनि जे आम जनताकेँ आशा छल जे वित्त मंत्री बंद पड़ल पंडौल सुता फैक्ट्री, गुलकोज फैक्ट्री, लोहट चीनी मिल, सकरी चीनी मिल, रायम चीनी मिल, रामेश्वर जूट मिल, अशोक पेपर मिल पुनः चालू करय केर कोनो ठोस घोषणा करतीह आ नव उद्योग मिथिला क्षेत्र केर भेटत जाहिसँ एतय केर लोकक जीवनस्तर उपर उठत आ पलायन रूकत। बेरोजगारी हटि जायत, शिक्षित युवाकेँ रोजगार भेटत, मुदा मात्र निराशा भेटल।

प्रो झा कहलनि जे हमरा सभकेँ आशा छल जे वित्त मंत्री निर्मला सीतारमण जरूर किछु ने किछु देथिन, ई चुनाव वर्ष आबि रहल अछि, संभवत: मिथिला राज वा मिथिला विकास बोर्ड पर किछु कहतीह, मुदा भेल किछु नहिं। वित्तमंत्री निर्मला सीतारमणक दू दिवसीय दौरा मिला-जुला कऽ मिथिलावासीकेँ हतोत्साहिते कयलक।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *