यातायात

दरभंगा-मुम्बई मार्ग पर इंडिगोक उड़ान शुरू, दू दिन तकक सभटा सीट भरल

दरभंगा समदिया
*

इंडिगोक नॉन-स्टॉप फ्लाइट सेवा दरभंगा हवाई अड्डासँ ०१ दिसम्बरकेँ पहिल बेर मुम्बई मार्ग धरिक शुरू भेल। एहि मार्ग पर उड़ानक माँगक अनुमान एहि बातसँ लगाओल जा सकैत अछि जे सेवा शुरू भेलाक सङ्ग पहिल दू दिनक सभटा सीट भरि गेल अछि।

इंडिगोक पहिल उड़ान दरभंगा हवाई अड्डासँ दूपहरिया ०१.१५ बजे उड़ान भरलक। दू घंटा ५५ मिनटक बाद विमान साँझ ०४.१० बजे मुम्बई हवाई अड्डा पर उतरल। मुम्बईसँ दरभंगा लेल उड़ान भोर १०.१५ बजे उड़ान भरत आ २ घंटा ३० मिनटक बाद १२.४५ बजे दरभंगा पहुँचत। पहिल दिन नव मार्ग पर सीधा सेवाक लेल कंपनी द्वारा हवाई अड्डाकेँ सजाओल गेल छल।

एहिसँ पहिने, इंडिगो कोलकाता आ हैदराबाद मार्गपर सीधा विमान सेवा संचालित कऽ रहल अछि। आब एहि मार्ग पर स्पाइसजेटक बाद इंडिगोक प्रवेशसँ यात्रीसभकेँ सीधा लाभ होबय जा रहल अछि। इंडिगो १२ दिसंबरसँ दिल्ली मार्गक लेल सेहो उड़ान भरत। शुरूमे इंडिगोक सेवा सप्ताहमे चारि दिन उपलब्ध रहत। यात्री रवि, सोम, बुध आ शुक्र दिन बुकिंग करा सकैत छथि।

२० अक्टूबरकेँ प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी हवाई अड्डाक ऑनलाइन विस्तारक लेल 51 हजार 800 स्क्वायर मीटरमे विशाल टर्मिनल भवनक वाराणसीसँ आधारशिला रखलनि। नव टर्मिनल भवन पर 912 करोड़ रुपया खर्च होएत। नव सिविल एन्क्लेवक निर्माणक बाद सालाना ४३ लाख हवाई यात्रीक आवागमनक संभावना अछि।

पिक आवरमे तीन हजार यात्रीक ठहरबाक पूरा व्यवस्था होयत। एहिमे ४०टा चेक-इन काउंटर, १४टा सेल्फ-चेक कियोस्क, १२टा स्वचालित ट्रे रिट्रीवल सिस्टम, ३०टा मेटल डिटेक्टर, पाँचटा एरोब्रिज आ चारिटा कन्वेयर बेल्टक सुविधा सेहो होयत। संगहि सात कोड सी विमानक ठहरावक लेल एप्रनक निर्माण कयल जायत।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *