रोजगार

बिहारक पाँच जिलामे बनत टेक्नोलॉजी एक्सटेंशन सेंटर : जीतन राम मांझी

गया समदिया
*

मोदीक कैबिनेटमे मंत्री आ बिहारक पूर्व मुख्यमंत्री जीतन राम मांझी शनिदिन कहलनि जे जल्दिये राज्यक पाँच जिलामे टेक्नोलॉजी एक्सटेंशन सेंटर खोलल जायत। सबसँ पहिने एकर निर्माण गया जिलामे होयत। गयाक अतिरिक्त राजगीर, रोहतास, दरभंगा आ सारणमे सेहो टेक्नोलॉजी एक्सटेंशन सेंटर स्थापित कयल जायत। सूक्ष्म, लघु आ मध्यम उद्योग विभागक मंत्री जीतन राम मांझी कहलनि जे प्रौद्योगिकी विस्तार केन्द्रक लेल स्वीकृति भेटि गेल अछि। एहि योजनामे देश भरिमे पसरल एमएसएमई केन्द्रकेँ शामिल कयल जायत, जकरा तकनीकी सहायता प्रदान कयल जायत।

जीतन राम मांझी सोशल मीडिया प्लेटफॉर्म एक्स पर एकटा पोस्टमे कहलनि, “हमर मंत्रालय गयामे १२५ करोड़ टाकाक लागतसँ एकटा टेक्नोलॉजी सेंटर स्थापित करबाक स्वीकृति देलक अछि। भूमि चयनक प्रक्रिया शुरू कऽ देल गेल अछि आ जल्दिये केन्द्रक निर्माण कार्य सेहो शुरू भऽ जायत। एचएएम सभ वादा पूरा करत। प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी आ मुख्यमंत्री नीतीश कुमारकेँ आभार।

जीतन राम माँझी गया शहरमे मेट्रो ट्रेन सेवा शुरू करबाक संकेत देलनि आ कहलनि जे एकरा लेल सर्वेक्षणक काज बहुत जल्दिये शुरू भऽ जायत। तखनि मार्ग तय भs जाएत। ओ कहलनि जे मेट्रोसँ शहरक संग जिलाक विकासक गति आओर तेज होयत। एतय सर्वांगीण विकास होएत। मेट्रोक निर्माणसँ गया मात्र बिहारमे नहि अपितु सम्पूर्ण भारतमे विकासक एकटा नव मॉडलक रूपमे उभरत। गयाक सांसद कहलनि जे प्रधानमंत्री जे वादा कयने छलाह, ओ पूरा कऽ रहल छथि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *