केन्द्रीय वित्त आ कॉरपोरेट कार्य मंत्री निर्मला सीतारमण शनिदिन ३० नवम्बर २०२४ केँ मधुबनीक झंझारपुरक ललित करपुरी स्टेडियम पहुँचलीह। आयोजित कार्यक्रममे महिला आ स्थानीय लोक उपस्थित छलथि। एहि कार्यक्रममे वित्त मंत्री भारतीय स्टेट बैंक आ उत्तर बिहार ग्रामीण बैंकक सहयोगसँ आयोजित विभिन्न लाभार्थीके 1021 करोड़ रुपयाक रोजगार ऋण वितरित कयलथि।
वित्त मंत्रीकेँ मिथिला परम्पराक अनुसार मिथिला पेंटिंग, शाल आ गुलदस्तासँ सम्मानित कयल गेल। ई उपहार हुनका स्थानीय कलाकार नूतन झा देलनि। सुरक्षा दृष्टिकोणसँ डीएसपी पवन कुमारक नेतृत्वमे झंझारपुरसँ मिथिला हाट धरि ४६ टा सुरक्षा चौकी बनाओल गेल छल। आयोजन स्थल पर भारी संख्यामे पुलिस बल तैनात कयल गेल छल। अपन संबोधनमे निर्मला सीतारमण कहलनि जे प्रधानमंत्री नरेन्द्र मोदी भारतकेँ एकटा विकसित राष्ट्र बनेबाक लेल प्रतिबद्ध छथि। बिहार पर सेहो विशेष ध्यान देल जा रहल अछि। महिलासभकेँ आर्थिक रूपसँ सशक्त बनयबाक लेल विशेष योजना चलायल जा रहल अछि। ओ कहलनि जे प्रधानमंत्री योजनाक अन्तर्गत महिला सभकेँ करोड़पति बनयबाक प्रयास कयल जा रहल अछि। मुख्यमंत्री नीतीश कुमारक नेतृत्वमे स्वयं सहायता समूहक माध्यमसँ महिलासभकेँ ऋण प्रदान कयल जा रहल अछि। जीविका दीदि सेहो एहि कार्यक्रममे भाग लेलनि।
मिथिलाक सांस्कृतिक धरोहरक सम्मान दैत वित्त मंत्री घोषणा कयलनि जे अयोध्यामे भगवान रामक मंदिर जकाँ माँ जानकीक जन्मस्थलीमे भव्य मंदिर बनत। इ हमर संकल्प अछि। एहि अवसर पर बिहारक उपमुख्यमंत्री सम्राट चौधरी, जदयूक राष्ट्रीय अध्यक्ष संजय झा, राज्यसभा सांसद रामप्रीत मंडल, मधुबनी लोकसभा सांसद डॉ. अशोक कुमार यादव, पूर्व मंत्री विनोद नारायण झा, विधान परिषद सदस्य घनश्याम ठाकुर आ विधायक सुधांशु शेखर सहित गणमान्य व्यक्ति उपस्थित छलाह।
वित्त मंत्री चेकक माध्यमसँ लगभग ७५ लाभार्थीकेँ रोजगार ऋण प्रदान कयलनि। ओ जनतब देलनि जे दरभंगा आ मधुबनीमे रोजगार सृजन लेल विशेष योजना पर काज कयल जा रहल अछि। ई कार्यक्रम एसबीआई द्वारा संचालित अन्य बैंकक सहयोगसँ सेहो कयल गेल । वित्त मंत्री एहि पहलकेँ बिहारक विकासक लेल एकटा महत्वपूर्ण डेग बतौलनि। ओ कहलनि जे बिहारक मेहनती महिला देशक आर्थिक मजबूती देबामे महत्वपूर्ण भूमिका निभौतीह।