चुनाव

हेमंत सोरेन लेलनि चारिम बेर झारखण्डक मुख्यमंत्रीक शपथ

रांची
*

हेमंत सोरेन चारिम बेर झारखण्डक मुख्यमंत्रीक शपथ लऽ कऽ एकटा नव राजनीतिक पारी शुरू कयलनि अछि। राज्यपाल संतोष गंगवार राजभवनमे आयोजित एकटा भव्य समारोहमे हुनका पदक शपथ दियेलनि। राज्यक २४ सालक इतिहासमे एखन धरि चारि बेर मुख्यमंत्री पदक शपथ लेनिहार ओ पहिल राजनेता बनि चुकल छथि। एहिसँ पहिने हुनकर पिता शिबू सोरेन आ भारतीय जनता पार्टीक अर्जुन मुंडा तीन-तीन बेर मुख्यमंत्रीक कुर्सी पर बैसि चुकल छथि।

शपथ ग्रहण समारोह इंडिया ब्लॉकक शक्ति प्रदर्शनक एकटा मंच बनि गेल अछि। कांग्रेस अध्यक्ष मल्लिकार्जुन खड़गे, लोकसभामे विपक्षक नेता राहुल गांधी, पश्चिम बंगालक मुख्यमंत्री आ टीएमसी प्रमुख ममता बनर्जी, आम आदमी पार्टीक राष्ट्रीय संयोजक अरविंद केजरीवाल, समाजवादी पार्टी (सपा) अध्यक्ष आ उत्तर प्रदेशक पूर्व मुख्यमंत्री अखिलेश यादव, मेघालयक मुख्यमंत्री कोराड कोंगकल संगमा, पंजाबक मुख्यमंत्री सुखविंदर सिंह सुखु, भाकपा (माले) महासचिव दीपांकर भट्टाचार्य आ कतेको अन्य प्रमुख नेता उपस्थित छलाह।

हेमंत सोरेन १३ जुलाई २०१३ केँ झामुमो, कांग्रेस, राजद गठबन्धनक समर्थनसँ बनल सरकारमे पहिल बेर मुख्यमंत्रीक रूपमे शपथ लेने छलथि। एहि सरकारक कार्यकाल २३ दिसम्बर २०१४ धरि छल। ओ २९ दिसंबर, २०१९ केँ दोसर बेर शपथ लेलनि। ३१ जनवरी २०२४ केँ ईडी द्वारा गिरफ्तार कयलाक बाद हुनका मुख्यमंत्रीक पदसँ इस्तीफा देबय पड़लनि।

४ जुलाई, २०२४ केँ जमानत पर बाहर अयलाक बाद ओ तेसर बेर मुख्यमंत्रीक रूपमे शपथ लेलनि। हेमंत सोरेनक नाम झारखण्डक एहेन पहिल मुख्यमंत्रीक रूपमे दर्ज कयल जा रहल अछि, जे लगातार दोसर बेर सरकारमे वापसी कयलनि अछि।

एतय एहिसँ पहिने कोनो सरकार दोहराएल नहि गेल छल। हेमंत सोरेन झारखण्डक ८१ सदस्यीय विधानसभामे दू तिहाई बहुमतसँ सरकार बनेनिहार पहिल मुख्यमंत्री बनय जा रहल छथि। हुनक नेतृत्वमे गठबन्धन ५६ सीट जीतल अछि।
झारखण्डमे मुख्यमंत्रीक कुर्सीपर सबसँ बेसी २२१० दिनक रिकॉर्ड अर्जुन मुण्डाक नाम अछि। हुनक बाद हेमंत सोरेन एखन धरि मुख्यमंत्रीक रूपमे २१६९ दिन बिता चुकल छथि।

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *