धर्म-संस्कृति

सहुरिया गामक जारी अखंड नवाह संकीर्तनक नवम दिवस भेल पूर्णाहुति

मधुबनी समदिया
*

१८.११.२०२४ सँ शुरू भेल देवहार पंचायतक सहुरिया गामक अखंड नवाह संकीर्तनक २७.११.२०२४ केँ यज्ञ-हवन, भोजन, कुमारि-बटुक भोजन आ प्रसाद वितरण आदिक संग समापन भेल।

हरेक दिन आ रातिक संकीर्तन के दृश्य अद्भुत छल। समस्त ग्रामीण संग पड़ोसी गाँवक महिला संग पुरुष वर्ग अहि संकीर्तनक पुण्य प्राप्त करैत छलथि। जहियासँ नवाह संकीर्तन शुरू भेल, ओहि प्रांगणक राति-दिनक भक्तिमय अनुभूति प्रदान करैत छल। एक दोसरक सहयोग देखते बनैत छल।

मैपुप्र समदियाकेँ स्थानीय भक्त जानकारी दैत कहलनि, “आई सँ १०-१५ साल पहिले केर दिन याद अबैत अछि। जे अहि सुअवसर पर कम सं कम १००-१५० आमंत्रण पत्र बाँटल जायत छल आ मुश्किलसँ हरेक मंडली ( संकीर्तन) केँ आधा घंटा समय भेटैत छलनि, कारण दूर-दूरसँ हरेक गाँवक सहयोग रहैत छल। साँझुक संकीर्तन तऽ अद्भुत रहैत छल। नवाह संकीर्तनक यात्रा केना समापन तक पहुँच जाइत छल पता नै लगैत छल। मुदा, आई तऽ ई कार्यक्रम जरूर होइत अछि मगर ओहि तरहक सहयोगक अपेक्षा नहिं कऽ सकैत छी कारण जे अहि तरहक माहौल आब नहिं अछि ई सोचनीय विषय अछि।”

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *