देश-दुनिया

लन्दनकेँ लगातार १०म वर्ष चुनल गेल दुनियाक सर्वश्रेष्ठ शहर

नई दिल्ली
*

लन्दनकेँ लगातार १०म वर्ष दुनियाक सर्वश्रेष्ठ शहरक वार्षिक रैंकिंगमे सर्वश्रेष्ठ शहर चुनल गेल अछि। ब्रिटिश राजधानी न्यूयॉर्क, पेरिस आ टोकियोकेँ हराकऽ शीर्ष स्थान बरकरार रखलक।
रियल एस्टेट, पर्यटन आ आर्थिक विकासमे वैश्विक सलाहकार, रेजोनेंस द्वारा संकलित ई रैंकिंग १० लाखसँ बेसी जनसंख्यावला शहरक मूल्यांकन करैत अछि।

समाचार एजेंसीक रिपोर्टक अनुसार, रैंकिंगमे लन्दनक वर्चस्व हरदम रहल अछि। जखनि कि मूल्यांकनक मापदंड हर साल बदलैत रहैत अछि।

ई रैंकिंग लन्दनक वैश्विक अपीलकेँ दर्शाबैत अछि। ई एकटा एहेन शहर अछि जे सांस्कृतिक विरासत, मजबूत व्यापारिक बुनियादी ढाँचाक प्रतीक रहल अछि।

एहि सालक रैंकिंगमे पब्लिक परसेप्शनकेँ शामिल कयल गेल छल। पहिल बेर ३० देशक २२,००० सँ बेसी लोकक अंतर्दृष्टिकेँ शामिल कयल गेल आ विश्लेषणमे परसेप्शन बेस्ड डाटा जोड़ल गेल।

मूल्यांकनमे पर्यावरणक गुणवत्ता, सांस्कृतिक जीवंतता, भोजन, नाइटलाइफ, खरीदारी आ व्यापारिक बुनियादी ढाँचा सहित कतेको अन्य कारक पर विचार कयल गेल। एहिमे क्षेत्रीय हवाई अड्डाक कनेक्टिविटी आ विश्वविद्यालयक गुणवत्ताक सेहो मूल्यांकन कयल गेल।

रेजोनेन्सक अध्यक्ष आ मुख्य कार्यकारी अधिकारी क्रिस फेयर कहलनि, “लोक आगू बढ़ि रहल छथि आ पलायन कऽ रहल छथि, एहेन प्रवृत्ति महामारीक दौरान आर बढ़ि गेल अछि। लोक नहिं मात्र किफायती बल्कि मनमोहक जगहक तलाशमे सेहो छथि। परिणामसँ पता चलैत अछि जे दुनियाभरिक लोकक सबसँ पैघ शहरमे रहबाक, घुमबाक आ काज करबाक इच्छा रखैत अछि।”

Spread the love

Leave a Reply

Your email address will not be published. Required fields are marked *